दरभंगा।जिला दुर्गा पूजा समिति द्वारा आयोजित पुरस्कार सह संम्मान समारोह में कसेरा पंचायत दुर्गा पूजा समिति के सेहो नियम निष्ठा आ शांतिपूर्ण ढंग सं कोविड के नियम सबके पालन क’ पूजा संपन्न करबाक लेल सांत्वना पुरस्कार सं सम्मानित कैल गेल।एहि अवसर पर संस्था के संरक्षक सदस्य दुष्यंत कुमार आ कन्हैया कुमार साह ,संगहि कोषाध्यक्ष विनोद प्रसाद ,संगठन मंत्री राजेश प्रसाद कांस्यकर, सदस्य गणेश प्रसाद सचिव चंद्रशेखर कुमार (पप्पू ) अध्यक्ष विशम्भर प्रसाद सहित बहुतो लोक उपस्थित छलाह।
कार्यक्रम में 48 टा दुर्गा पूजा समिति सब सम्मिलित भेलैथ। जिला अध्यक्ष ई.बद्री कुमार पूर्वे कहलनि जे विगत दरभंगा जिला के अन्तर्गत दुर्गा पूजनोत्सव 2021 में नवरात्रा के शुभ अवसर पर नियम निष्ठा आ श्रद्धापूर्वक मां के पूजा अर्चना कोवीड 19 केर अनुपालन करैत, सामाजिक एकता भाईचारा शांतिपूर्ण आ सौहार्दपूर्ण वातावरण मे पुजा सम्पन करेबाक आ उत्कृष्ट प्रदर्शन हेतु श्री श्री 108 सार्वजनिक दुर्गा पूजा समिति बालूघाट दरभंगा के पहिल पुरस्कार में कप आ रनिंग शील्ड के संगहि 25 हजार रुपया। रनिंग शील्ड एक वर्ष’क लेल मान्य रहत। दोसर पुरस्कार श्री श्री 108 मां वैष्णवी दुर्गा पूजा समिति सुंदरपुर बेला के कप आ 11हजार रुपया, बेनी विभूति पुरना दुर्गा पूजा समिति बहेरा दरभंगा के तेसर पुरस्कार कप आ 5100 सौ रुपया के संगहि सब गोटे के प्रशस्ति पत्र द’के सम्मानित कैल गेल। भव्य कलश यात्रा’क लेल सार्वजनिक दुर्गा पूजा समिति गायत्री मंदिर ,भव्य मूर्ति विशर्जन हेतु सार्वजनिक दुर्गा पूजा समिति नीम चौक उर्दू बाजार आ शत प्रतिशत कोविड वैक्सिन पुरस्कार मां दुर्गा पूजा समिति काली मंदिर सैदनगर के देल गेल। ओतहि 44टा पूजा समिति सबकेँ सांत्वना पुरस्कार मे मेमोंटो आ प्रशस्ति पत्र के संगहि संग चादर द’के सम्मानित कैल गेल हैं।संगहि आश व्यक्त कैल गेल जे सबटा पूजा समिति भविष्य में सेहो उत्कृष्ठ प्रदर्शन करैत रहताह। पूर्व मेयर अजय जलान कहलनि जे समन्वय न्यास केवल दुर्गा पूजा तक सीमित नहि रहि आगू समाज’क बीच रहि काज करैथ। समिति के काज सराहनीय रहल।
मुख्य संरक्षक अशोक नायक कहलन्हि जे अहाँ सबहक पूजा समिति सबहक सहयोग आ दुलार समन्वय न्यास के भेटल अछि।सबटा पूजा समिति सबहक प्रदर्शन अत्यधिक सुन्दर रहल अछि। पुरस्कार सं पूजा समिति सबहक बीच उत्साह आ मनोबल बढै़त अछि। समन्वय न्यास द्वारा विगत पूजा के अवसर पर मास्क,मेडिकल कीट,चुना बिलचिंग,हेल्प लाइन बोर्ड समिति सबहक बीच उपलब्ध करेबाक काज केलैथ।
कार्यक्रम केर संचालन प्रियंका झा कएलन्हि। संरक्षक इन्द्र नारायण महतो,सुनील गड़ाई, जयकिशन राउत,बबलू पंजियार ,प्रदीप मंडल,अशोक केशरी,संतोष दास, कृष्णा महतो,राजू मंडल,संतोष राय, ई. रविकान्त चौधरी,शिलानाथ प्रसाद, श्रवण महतो,प्रवीण भगत सेहो सम्बोधन कएलन्हि।