दरभंगा, 26 अक्टूबर 2021, पंचम चरण 24 अक्टूबर 2021 के बहादुरपुर प्रखंड मे मतदान केंद्र संख्या 183 पर मुखिया पद’ क हेतु भेल मतदान क लेल पुनर्मतदान करेबाक हेतु देल गेल आवेदन पर राज्य चुनाव आयुक्त द्वारा सम्यक विचारोंपरांत 27 अक्टूबर 2021 के मतदान केंद्र संख्या 183 पर केवल मुखिया पद’ क हेतु पुनर्मतदान करेबाक आ मतदान संपन्न होबाक उपरांत मतगणना करेबाक हेतु आदेश जारी कैल गेल अछि।
      अतः बहादुरपुर प्रखंड के मतदान केंद्र संख्या 183 पर 27 अक्टूबर 2021 के केवल ग्राम पंचायत मुखिया पद के लेल मतदान कराओल जैत आ मतदान’क उपरांत ओहि दिन खसाओल गेल मत’क गणना कैल जैत। इकरा लेल जिला प्रशासन द्वारा पूरा तैयारी क लेल गेल अछि।