दरभंगा। महाविद्यालय में आयोजित कैल गेल विश्वविद्यालय क्रिकेट चयन प्रतियोगिता। एम एल एस कॉलेज, सरिसवपाही में तीन दिवसीय विश्वविद्यालय क्रिकेट चयन प्रतियोगिता 2021-22 केर आयोजन कैल गेल। महाविद्यालय मे सोमदिन के प्रधानाचार्य डॉ अनिल कुमार मंडल क्रिकेट खेल के मैच’क शुभारंभ कएलन्हि। खिलाड़ी लोकनि कें संबोधित करैत डॉ अनिल कुमार मंडल कहलन्हि जे क्रिकेट नहि केवल शारीरिक ताकत प्रदान करैत अछि अपितु ई मानसिक शक्ति के सेहो बढ़बैत अछि। खेल तनाव आ चिंता सं मुक्ति प्रदान करैत अछि। खेल अनुशासन सिखबैत अछि। प्रधानाचार्य डॉ मंडल खिलाड़ी लोकनि कें संबोधित करैत कहलनि जे ई चयन प्रतियोगिता मे सफल भ’क अहाँ विश्वविद्यालय, राज्य आ देश विदेश स्तर पर अपन कैरियर बना सकैत छथि।

क्रिकेट प्रतियोगिता 6 दिसंबर से 8 दिसंबर तक होयत। क्रिकेट चयन प्रतियोगिता में मधुबनी ,दरभंगा, समस्तीपुर आ बेगूसराय के सम्बद्ध आ अंगी भूत महाविद्यालय सबहक छात्र भाग ल रहल छथि।
डॉक्टर अंबेडकर के परिनिर्वाण दिवस पर कार्यक्रम केर आयोजन एम एल एस कॉलेज ,सरिसवपाही में क्रिकेट चयन प्रतियोगिता हेबा सं पहिले बाबा साहब भीमराव अंबेडकर के परिनिर्वाण दिवस पर बाबासाहेब डॉक्टर भीमराव अंबेडकर के तैल चित्र पर प्रधानाचार्य डॉ ए के मंडल के संगहि संग महाविद्यालय के शिक्षक गण आ शिक्षकेतर कर्मचारी लोकनि आ छात्र छात्रा सब माल्यार्पण क’ श्रद्धांजलि अर्पित केलथि। दीप प्रज्वलन’क बाद महाविद्यालय के छात्रा सबहक द्वारा स्वागत गान प्रस्तुत कैल गेल । छात्र छात्रा सबकेँ संबोधित करैत प्रधानाचार्य डॉ एके मंडल कहलन्हि जे गौतम बुद्ध के बाद भारतीय इतिहास में बाबासाहेब डॉ बी आर अंबेडकर एहेन व्यक्ति छलाह जे सामाजिक भेदभाव के समाप्त क’ सामाजिक समरसता’क लेल संघर्ष कएलन्हि। उद्घाटन के अवसर पर डॉक्टर कृष्ण कांत झा सहित महाविद्यालय के सबटा शिक्षक शिक्षकेतर कर्मी आ छात्र छात्रा सब उपस्थित छलैथ। मंच संचालन क्रीड़ा प्रभारी डॉक्टर आदित्य मिश्रा कएलन्हि।