जम्मू कश्मीर।माता वैष्णों देवी भवन मे भगदड़ मचि गेआ सं 12टा श्रद्धालुओं के मृत्यु भ’ गेल संगहि दू दर्जन सं बेसी श्रद्धालु सब केँ घायल होयबाक खबरि सेहो आबि रहल अछि ।मृतक में महिला आ बच्चा सब सेहो शामिल छथि। घायल सबकें बाणगंगा अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि।हेलिकॉप्टर सं सबटा अधिकारी भवन पहुंच चुकल छथि। उपराज्यपाल अधिकारी सबसँ जानकारी के मांग केलथि। घटना के बाद हेल्पलाइन नंबर सेहो जारी कैल गेल अछि । एहि नंबरों पर फोन क’ लोक सब अपन संबंधित व्यक्ति क’ बारे में जानकारी प्राप्त क’ सकैत छथि।

श्री माता वैष्णो देवी श्राइन बोर्ड हेल्पलाइन नंबर
01991-234804
01991-234053

आन हेल्पलाइन नंबर

पीसीआर कटरा 01991232010/9419145182
पीसीआर रियासी 0199145076/9622856295
डीसी कार्यालय रियासी नियंत्रण कक्ष
01991245763/9419839557

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी समेत कई एक लोक सब घटना पर दुख व्यक्त केलनि व। राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद कहलन्हि जे ई बुझला क बाद अत्यंत दुख भेल जे माता वैष्णो देवी भवन में एकटा दुर्भाग्यपूर्ण भगदड़ भक्त जनकें जान ल’ लेलक। शोक संतप्त परिवार सबकें प्रति हमर संवेदना अछि। हम घायल सब के शीघ्र स्वस्थ हेबाक कामना करैत छी ।

केंद्रीय गृह राज्य मंत्री नित्यानंद राय एहि घटना के कारण बतौलनि ओ कहलन्हि जे ढलान पर ठाढ़ दू टा श्रद्धालु के बीच कोनो बात के ल’के बातचीत भ गेल जाहिसं ओ एक-दोसरा के धक्का द’ देलन्हि आ एकर बाद भगदड़ मचि गेल।एकटा श्रद्धालू, दोसरा श्रद्धालू के धक्का देलथि तखन ओ ओतुक्का ठाढ़ भीड़ पर खसि परलाह। जाहि सं ढलान पर ठाढ़ लोक सबहक संतुलित बिगड़ि गेलन्हि आ तकर बाद फेर भगदड़ मचि गेल।

अपन परिजन के बिछोह बला एकटा चश्मदीद कहलन्हि जे माता वैष्णो देवी भवन क्षेत्र मे किछु लोक दर्शन क’के ओतहि रुकि गेलाह, जाहि सं ओतय भीड़ बढ़ि गेल आ लोक सबकें निकालबाक जगह नहि भेट रहर छल। कम जगह में पैघ संख्या मे लोक आबि जा रहल छलाह। ताहि बीच धक्का मुक्की क’ कारणें भगदड़ मचि गेल।

एलजी मनोज सिन्हा श्री माता वैष्णो देवी मंदिर मे मचल भगदड़ मे लोक सबहक मृत्यु पर दुख व्यक्त केलनि। ओ कहलन्हि जे मृतक सबहक परिवार’क प्रति हमर संवेदना आ घायल सबहक संग प्रार्थना। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सं बात क’ ओ हुनका घटना के जानकारी देलथि। प्रधानमंत्री, हर संभव मददि केर आश्वासन देलथि। भगदड़ में जान गंवाब बला के परिजन सबकें 10-10 लाख रुपया आ घायल सबकें 2 लाख रुपया के अनुग्रह राशि देल जायत। श्राइन बोर्ड घायल सबहक इलाज के खर्च वहन करत।

मृतक सब में दिल्ली, हरियाणा, पंजाब आ जम्मू-कश्मीर,यूपी के श्रद्धालु शामिल छथि।