दरभंगा, 06 दिसम्बर – कोविड-19,कोरोना वायरस’क नब वेरिएंट ओमीक्रोन के ल’क जिला प्रशासन लोक सबकें सचेत रखबाक लेल जिला के लोक सबकें मास्क’क उपयोग अनिवार्य रूप सँ करबाक ल’क वाहन चेकिंग मेगा ड्राइव चलाओल गेल।
     नगर निगम क्षेत्र में वाहन चेकिंग अभियान’क दौरान 30 लोक सबकें बिना मास्क के पाओल गेल, जिनका सं1 हजार 500 रुपया जुर्माना राशि के रूप में वसूली कैल गेल।
परिवहन विभाग द्वारा दरभंगा के प्रमुख चौक-चौराहा सब पर विभिन्न वाहन सबहक जांच कैल गेल जाहिमे बिना मास्क के पाओल गेल 10 टा यात्री सबकेँ 500 रुपया जुर्माना कैल गेल । ओतहि बिना मास्क के पाओल गेल चालक बला 20 वाहन सबसँ 11 हजार 5 सौ रुपया जुर्माना के रूप में वसूली कैल गेल। 
    ओतहि पुलिस महकमा के विभिन्न थाना सबहक द्वारा सेहो व्यापक पैमाना पर मास्क केर जाँच हेतु वाहन चेकिंग अभियान चलाओल गेल आ मास्क’क उपयोग नहि कर बला 41 टा दुपहिया चालक सब आ यात्री लोकनि सं 2050 रुपया जुर्माना वसूल कैल गेल।बेनीपुर नगर परिषद क्षेत्र में वाहन चेकिंग के दौरान बिना मास्क’क पाओल गेल 5 टा दुपहिया चालक सबकेँ 250 रुपया जुर्माना कैल गेल।
    दरभंगा जिला के कुल 86टा लोक सबकें,जे बिना मास्क के पाओल गेलाह , हुनका जुर्माना कैल गेल।एहि प्रकारे दरभंगा जिला में कुल 15800 रुपया जुर्माना राशि के वसूली ओहेन 86 टा लोक सबसँ वसूली कैल गेल जे बिना मास्क के दुपहिया वाहन चला रहल छलाह वा बिना मास्क के वाहन में सवार छलाह या बिना मास्क के चार पहिया वाहन चला रहल छलाह।
   बताओल गेल जे ओहेन प्रतिष्ठान/दुकान जत दुकानदार, सेल्समैन वा ग्राहक सबहक द्वारा मास्क के उपयोग करैत नहि पाओल जायत, हुनका अल्प अवधि के लेल सील करबाक अभियान चलाओल जायत।