दरभंगा, 03 जनवरी 2022 पूर्व निर्धारित कार्यक्रम के अनुसार ओहेन सुयोग्य लाभुक जिनकर नाम प्रधानमंत्री आवास योजना, प्रधानमंत्री आवास प्लस योजना आ इंदिरा आवास योजना में छूईट गेल हो आ संगहि जिनकर नाम स्थाई प्रतीक्षा सूची में नहि अछि,ओहेन आवास विहीन सुयोग्य लाभुक सब के चयन करबाक लेल 01 जनवरी सं 15 जनवरी धरि मुख्यमंत्री ग्रामीण आवास योजना के अन्तर्गत आवास उपलब्ध करेबाक हेतु सर्वेक्षण कराओल जा रहल अछि।
एकरे अन्तर्गत आजुक दिन विभिन्न पंचायत सबमें शिविर के आयोजन क’ आवेदन संकलित कैल गेल।
03 Jan 2022