दरभंगा, 02 जनवरी 22 :- शीतलहर के प्रकोप’क देखैत जिलाधिकारी,दरभंगा के आदेश’क आलोक में शिक्षा विभाग, दरभंगा के द्वारा दरभंगा जिला’क सबटा सरकारी आ गैर सरकारी विद्यालय के वर्ग- 01 सं वर्ग – 05 तक के कक्षा के 03 जनवरी सं 09 जनवरी 2022 तक के लेल स्थगित क’ देल गेल अछि।
शिक्षा विभाग’क जिला कार्यक्रम पदाधिकारी द्वारा बताओल गेल जे सब विद्यालय खूजत आ सब शिक्षक के अनिवार्य रूप सं उपस्थित रहताह। मुदा केवल वर्ग 1 सं 5 तक केर शिक्षण काज स्थगित रहत।