रॉयल ग्लोबल विश्वविद्यालय गुवाहाटी में आयोजित ईस्ट जोन यूनिवर्सिटी बैडमिंटन प्रतियोगिता मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा’क बैडमिंटन टीम चारिम स्थान प्राप्त केलक। एहि स्थान के प्राप्त करैत,ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के बैडमिंटन टीम, भारत सरकार द्वारा आयोजित खेलो इंडिया प्रतियोगिता में अपना स्थान पक्का क’ लेलक अछि। एहि प्रतियोगिता क’ आयोजन मार्च’क पहिल सप्ताह मे जैन विश्वविद्यालय, बेंगलुरु मे होयत। हर्ष आ गौरव’क क्षण मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के माननीय कुलपति प्रो. सुरेंद्र प्रताप सिंह आ कुलसचिव प्रो. मुश्ताक अहमद, टीम प्रशिक्षक डॉ विजय शंकर झा आ टीम प्रबंधक श्री चंद्रकांत झा’क संगहि संग सब खिलाड़ी लोकनि के जीतबाक लेल ढेर रास बधाई आ शुभकामना देलन्हि। खेल- पदाधिकारी प्रोफेसर अजय नाथ झा, टीम प्रशिक्षक आ टीम प्रबंधक के संग सबटा बैडमिंटन खिलाड़ी लोकनि के जितबाक लेल रास बधाई आ शुभकामना देलन्हि। ओ कहलन्हि जे खिलाड़ी लोकनि अपन कठिन परिश्रम आ हौसला सं ई मुकाम हासिल कएलन्हि। वास्तव में आजुक क्षण अपना सबहक लेल इ गौरव केर क्षण अछि। विश्वविद्यालय’क उप खेल पदाधिकारी श्री अमृत कुमार झा आ स्पोर्ट्स टेक्निकल एक्सपर्ट श्री मनीष राज आ सुमित झा सेहो खिलाड़ी लोकनि कें हुनकर जीत के लेल आ नव वर्ष’क मंगलकामना सबहक संग बधाई आ शुभकामना देलन्हि।