– एपेंडिक्स के दर्द सं मुक्ति दियेबा में आयुष्मान योजना सं भेटल सहायता।
– प्राइवेट स्कूल’क शिक्षक सुनील, प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना के लेलनि लाभ।
– योजना क अंतर्गत निःशुल्क निजी अस्पताल में करौलैथ सर्जरी।
– ऑपरेशन के बाद सामान्य जिंदगी जीब रहल छथि शिक्षक सुनील।

दरभंगा,27 अक्टूबर। प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना लाखोहुं लोक सबहक लेल जीवनदायनी बनि गेल अछि।एहि योजना क लाभ उठाके एखन तक लाखहुं लोक स्वस्थ्य भ चुकल छथि। लक्ष्मी सागर’क निवासी सुनील कुमार जी सेहो आयुष्मान कार्ड बनाके एहि योजना क लाभ लेलनि। दिन रैत एपेंडिक्स के दर्द सं जिनगी मुश्किल भ गेल छल। निजी अस्पताल बला सब ऑपरेशन के नाम पर हजारों रुपैया क मांग क रहल छलैथ। एहि बीच स्वास्थ्य विभाग के एकटा कर्मी हुनका आयुष्मान कार्ड बनेबाक की जानकारी देलनि।एहि बाबत तुरंत सुनील लगे के ग्राहक सेवा केंद्र सं संपर्क केलैन। ओत राशन कार्ड के माध्यम सं आयुष्मान कार्य केर पात्रता के जानकारी भेटतहिं, एकरा बनाबई के प्रक्रिया में लैग गेला। सीएसपी संचालक एक-दू दिन बाद सुनील के गोल्डन कार्ड द देलैन। तत्पश्चात ओहि कार्ड कें आधार पर प्राइवेट स्कूल में नौकरी क रहल सुनील शहर’क जानल-मानल निजी नर्सिंग होम में एपेंडिक्स के निःशुल्क सर्जरी करौलैथ। निजी अस्पताल में सफल ऑपरेशन के बाद अआब सुनील सामान्य जिंदगी जीब रहल छथि।
परिवार’क लोक सब भ गेल रहथि चिंतित
शिक्षक सुनील के दू टा छोटे छोटे पुत्र सेहो छथिन्ह। पेट में एपेंडिक्स के कारणे परिवार में माहौल गमगीन भ गेल रहै। परिजन ऑपरेशन के लेल अस्पताल’क चक्कर काटि रहल छलैथ।अस्पताल मे इलाज’क नाम पर कियो 20,000 त कियो 30,000 के मांग क रहल छल। कोरोना संक्रमण के देखैत हुनकर आर्थिक स्थिति सेहो ओतेक नीक नई छलन्हि। एहि दौरान ऑपरेशन क लेल पाइ क जुटान कनी भ गेल छल। तखन त प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना सं सुनील आ हुनकर परिवार के एक गोट नव उमेद उम्मीद छल। गोल्डन कार्ड बनि गेला के बाद निःशुल्क सर्जरी क’ बात सामने ऐला पर परिवार के लोक प्रसन्न भ गेला। सुनील आ हुनकर परिवार’क लोक सब एहि योजना के लेल सरकार के धन्यवाद देलैन।

प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना के अंतर्गत निःशुल्क ऑपरेशन क’ बाद शिक्षक सुनील प्रसन्न छथि। ओ बतौलनि जे आर्थिक स्थिति ठीक नहि रहबाक कारणेँ थोड़ सन परेशानी भ गेल छल। मुदा जन आरोग्य योजना के अंतर्गत कार्ड बनि गेला सं बहुत पैघ मददि भेट गेल। गोल्डन कार्ड बनि गेला के बाद एकटा नर्सिंग होम में निःशुल्क उपचार भेटलन्हि। सुनील कहलनि जे ई योजना लोक सबहक लेल बेसके लाभकारी अछि। खासक’के ओहि लोक सबहक लेल ई जीवनदायिनी बनि गेल अछि, जे आर्थिक रूप सं कमजोर छथि। ओ कहलथि जे एहि जन कल्याणकारी योजना के जानकारी आन लोक सब तक पहुंचेता, जाहिसँ की बेसी सं बेसी लोक सब कें प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना केर लाभ भेट सकैन।

की अछि प्रधान मंत्री जन आरोग्य योजना

आयुष्मान भारत के तहत प्रधानमंत्री जन आरोग्य योजना अछि जकरा लोक सभ (पीएम-जय) केर नाम सं जनैत छथि। ई योजना 23 सितंबर, 2018 के भारत’क प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी द्वारा रांची, झारखंड में शुरू कैल गेल छल।आयुष्मान भारत (पीएम-जय) दुनिया के सबसं पैघ स्वास्थ्य आश्वासन योजना अछि, जिकर उद्देश्य प्रति परिवार प्रति वर्ष 5 लाख रुपैया तक का मुफ़्त इलाज देबाक प्रावधान अछि।

निबंधित 14 टा निज़ी अस्पताल सबहक लिस्ट:

-अमृत नर्सिंग होम, मिर्ज़ापुर
-आई बी स्मृति आरोग्य सदन, मिश्रा टोला
-जोगिंदर मेमोरियल हॉस्पिटल, लहेरियासराय
-पारस ग्लोबल अस्पताल, अललपटी
-प्रसाद पोली क्लिनिक, बंगलागढ़
-आर आर आई अस्पताल, गोधेला पटोरी वसंत
-शराफ अर्थो एन्ड स्पाइन सेंटर, डीएमसीएच के लगीच
-शेखर अस्पताल एन्ड ईयर, नोज़, थ्रोट अस्पताल, करमगंज नाका नं छःह
-शुभम नर्सिंग होम शुभंकरपुर
-श्याम सर्जीकल संस्थान, जीएम रोड
-श्री साईं अस्पताल, अललपटी
-श्री विशुद्धानंद अस्पताल प्राइवेट लिमिटेड, लहेरियासराय
-स्वामी विवेकानंद केंसर अस्पताल, मब्बी
-यूरो स्टोन रिसर्च सेंटर प्राइवेट लिमिटेड, अललपटी