पहिल पाली पूर्वाह्न 09:30 बजे सं आ दोसर पाली 01:45 बजे अपराह्न सं होयत।

दरभंगा, 08 दिसम्बर –  जिला दण्डाधिकारी, दरभंगा क’ आदेशानुसार प्रभारी अनुमण्डल दण्डाधिकारी, सदर द्वारा आदेश पत्रक निर्गत करैत बताओल गेल जे विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा औद्योगिक प्रशिक्षण उच्च माध्यमिक स्तरीय भाषा (हिन्दी आ अंग्रेजी) परीक्षा- 2021 दिनांक 14 दिसम्बर 2021 के दुनू पाली यथा – पहिल पाली पूर्वाह्न 09:30 बजे सं12:45 बजे अपराह्न तक आ दोसर पाली 01:45 बजे अपराह्न सं 05:00 बजे अपराह्न तक दरभंगा जिला के शहरी क्षेत्र स्थित 03 परीक्षा केन्द्र यथा- 01. +2 एम.एल. एकेडमी, लहेरियासराय 02. बी.के.डी बालक उच्च विद्यालय (जिला स्कूल), लहेरियासराय, दरभंगा आ 03. +2 आर.एन.एम राजकीय बालिका विद्यालय, लहेरियासराय में आयोजित कैल गेल अछि।
परीक्षा केन्द्र पर परीक्षा के स्वच्छ, शांतिपूर्ण आ सुचारुपूर्वक संचालन करबाक हेतु *परीक्षा तिथि के* परीक्षा केन्द्र क’ लग-पास 500 गज केर परिधि में दंड प्रक्रिया संहिता के धारा-144 क’ तहत निषेधाज्ञा लगेबा हेतु निर्देशित कैल गेल अछि।
एहि परीक्षा केन्द्र सब पर विधि-व्यवस्था बनाके रखबाक हेतु प्रभारी अनुमण्डल दण्डाधिकारी, सदर दरभंगा मो.  सादुल हसन खाँ द्वारा दंड प्रक्रिया संहिता केर धारा 1973(2) के धारा -144 क’ तहत प्रदत्त शक्ति सबहक प्रयोग करैत
उपरोक्त परीक्षा केंद्र सबहक लग-पास 500 गज केर परिधि में दिनांक – 14 दिसम्बर 2021 के निषेधाज्ञा लागू क’ देल गेल अछि।
एहि आदेश के अंतर्गत संबंधित सबटा परीक्षा केन्द्र सबहक 500 गज केर व्यासार्द्ध (परिधि) में शांति भंग करबाक उद्देश्य सं पाँच वा ओहि सं बेसी व्यक्ति सबकेँ एकत्रित हेबा, आग्नेयास्त्र वा आन घातक हथियार, विस्फोटक ई सब ल’क चलबा पर पूरा तरहें पाबंदी रहत।
ओतहि 07:00 बजे पूर्वाह्न सं 06:00 बजे अपराह्न तक ध्वनि विस्तारक यंत्र के प्रयोग आ उपयोग सेहो निषिद्ध कैल गेल अछि।
परीक्षा केन्द्र सबहक अन्दर मोबाईल फोन, ब्लूटूथ, वाई-फाई गैजेट, कैलकुलेटर, स्लाइड रूल, ग्राफ पेपर, चार्ट, इलेक्ट्रोनिक पेन/घड़ी, पेजर, सेल्युलर फोन, ए.टी.एम. कार्ड आ आन कोनो इलेक्ट्रोनिक्स उपकरण सब ल’ जेबा पर पूरा प्रतिबंध रहत। एहि आदेश’क उललंघन कर बला सब पर सुसंगत धारा सब के अंतर्गत क़ानूनी कार्रवाई कैल जायत।

     ई आदेश परीक्षा ड्यूटी में प्रतिनियुक्त पदाधिकारी/आरक्षी आ सैन्य बल, सरकारी पासधारी, शवयात्रा, धार्मिक जुलूस, शादी-विवाह के कार्यक्रम में शामिल व्यक्ति सबहक मामिल में शिथिल रहत।