दरभंगा – विश्वविद्यालय थाना में पोस्टेड प्रशिक्षु एसआई लक्ष्मी अपनहि सर्विस रिवाल्वर सं गोलीमारि के आत्महत्या क’ लेलनि ,ओ विश्वविद्यालय थाना के श्याम मंदिर परिसर में बनल थाना आवास में रूम नंबर 3 में रहैत छलीह,

घटना कैल राति लगभग 12 सं 2 के बीच’क अछि,सुपौल जिला के रह’ बाली लक्ष्मी दू हजार अट्ठारह के बैच में एसआई बनल छलीह।घटना के सूचना भेटिते पुरा पुलिस महकमा में हलचल मचि गेल। एकर जांच के ल’क’ आयल फॉरेंसिक विभाग केर टीम आ दरभंगा प्रमंडल केर डीआईजी समेत पूरा पुलिस एहि मौका पर पहुंचि के जांच क’ रहल छथि। पोस्टमार्टम रिपोर्ट एला के बादे किछु कहल जा सकत।