आजुक दिन विश्वविद्यालय मैथिली विभाग में विभागाध्यक्ष प्रोफेसर रमेश झा केर अध्यक्षता में नव नियुक्त मानविकी संकायाध्यक्ष प्रोफेसर रमण झा’क अभिनंदन समारोह आयोजित कैल गेल।एहि अवसर पर प्रोफेसर रमण झा क’ प्रति मंगलकामना व्यक्त करैत स्नातकोत्तर शिक्षक संघ’क अध्यक्ष प्रोफेसर चन्द्र भानु प्रसाद सिंह कहलनि जे रमण जी के व्यक्तित्व में परम्परा आ आधुनिकता के मणिकांचन संयोग अछि।ओ काव्यशास्त्र आ भाषा विज्ञान के विद्वान छथि,नियम-परिनियम के ज्ञाता सेहो छथि।हुनकर नेतृत्व में मानविकी संकाय केर द्रुत विकास होयत।अंग्रेजी विभागाध्यक्ष प्रोफेसर ए के बच्चन, प्रोफेसर रमण झा क’ साहचर्य के हवाले से हुनकर मेधा के रेखांकित कएलन्हि।

एहि अवसर पर मंगलकामना व्यक्त करैत हिन्दी विभागाध्यक्ष प्रोफेसर राजेंद्र साह आशा व्यक्त केलनि जे रमण जी के नेतृत्व में शोध में गुणात्मक विकास होयत।संस्कृत विभागाध्यक्ष प्रोफेसर जीवानंद झा, प्रोफेसर रमण झा के संस्कृत ज्ञान क’ उद्घाटित कएलन्हि।दर्शनशास्त्र विभागाध्यक्ष डाॅ रुद्रकांत अमर आश जतेलथि व्यक्त केलनि जे प्रोफेसर रमण झा के सत्प्रयास सं मैथिली के भंडार समृद्ध होयत।उर्दू विभागाध्यक्ष प्रोफेसर आफताब अशरफ संकायाध्यक्ष क’ अभिनंदन के नव परंपरा के स्वागत केलनि।कार्यक्रम के संचालन करैत प्रोफेसर दमन कुमार झा, प्रोफेसर रमण झा के अध्यापकीय आ शासकीय गुण सबहक चर्चा कएलनि।अध्यक्षीय संबोधन में विभागाध्यक्ष प्रोफेसर रमेश झा आगत विभागाध्यक्ष सब,शिक्षक गण,कर्मचारियों सब,छात्र आ छात्रा लोकनि के प्रति कृतज्ञता ज्ञापित करैत प्रोफेसर रमण झा के सफल कार्यकाल के कामना केलनि।संकायाध्यक्ष प्रोफेसर रमण झा समुपस्थित शिक्षक गण,कर्मचारी सब आ छात्र छात्रा लोकनिक प्रति आभार व्यक्त केलनि।