भिन्न-भिन्न प्रखंड सबहक छठि घाट सब पर सेहो वैक्सीनेशन आ जांच के ल’ देलनि निर्देश।

संध्या कालीन आ सूर्योदय पर अर्घ्य देबाक दौरान काजक संपादन के ल’ चिकित्सा कर्मी के देल गेलन्हि ज़िम्मेदारी।


दरभंगा 8 नवम्बर।
, स्वास्थ्य विभाग दिस सं छठि पाबनि’क अवसर पर लोक सबकें कोरोना जांच आ टीकाकरण केर सुविधा उपलब्ध कराओल गेल अछि। एकरा ल’के जिला स्वास्थ्य समिति दिस सं संबंधित कर्मियों के प्रतिनियुक्ति विभिन्न छठ घाट सब पर कैल गेल अछि।ई सुविधा सांझुक आ भोर में भिन्न-भिन्न छठि घाट सब पर मौजूद लोक सब केँ लेल उपलब्ध कराओल गेल अछि। एहि मध्य कोनो भी व्यक्ति संदेह हेबा पर अपना सैम्पल द सकैत छथि।

संगहि कोरोना सं रक्षा क लेल वैक्सीन के डोज ल’ सकैत छी। जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ ए के मिश्रा, कहलनि जे ई सुविधा 10 आ 11 नवंबर कें देल गेल अछि। टीकाकरण सं छूटल व्यक्ति सबहक लेल इ व्यवस्था कैल गेल अछि, जे कोनो कारण सं कोरोना के टीका नहि ल पाओल होइथ।ओ व्यक्ति छठि घाट सब पर ई सुविधा के लाभ उठा सकैत छथि। टीकाकरण कें लेल लोक सब के अपन पहिचान पत्र अननाई अनिवार्य हेतन्हि। बताओल गेल जे टीकाकरण आ कोरोना सैंपल जांच के काज शहर’क नौ’टा प्रमुख छठि घाट सब पर कैल गेल अछि। एकरा अलावे भिन्नभिन्न प्रखंड के प्रमुख घाट सब के सेहो चयन कैल गेल अछि। एकरा ल’के सबटा प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी लोकनि कें निर्देश देल गेल अछि।

बाहर सं आब बला परदेसी लोकनि के लेल विभाग’क पहल-

जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ ए के मिश्रा कहलन्हि छठि पाबनि के ल’के बाहिर सं लोक जिला में एताह। एकरा ल’के ई व्यवस्था शुरू कैल गेल अछि। जाहि स की कोनो भी व्यक्ति टीकाकरण सं छूटि नहि पाबथि। कहलन्हि जे संक्रमण कें मद्देनजर विभाग’क दिस सं ई पहल कैल गेल अछि। कोरोना सं रक्षा क लेल लोक सबकें टीकाकरण जरूरी अछि। एकरा अति आवश्यक बुझल जाए। लोक सबहक हित में छठि पाबनि कें अवसर पर संक्रमण कें प्रसार के कम करबाक लेल विभाग ई कार्यवाही केलक अछि। छठि घाट सब पर कोनो प्रकार’क सर्दी, खांसी वा आन समस्या हेबा पर मौजूद चिकित्सा कर्मि लोकनि सं संपर्क केला पर कोरोना सैंपल के जांच केल जायत। रिपोर्ट एला के बाद विभागीय प्रोटोकॉल’क अनुसारे संबंधित लोक सबकें उचित परामर्श देल जाएत। एकरा अलावा घाट सब पर पहिल आ दोसर डोज़ सं छूटल सामान्य लोक सब सेहो एहि अवसर पर टीकाकरण के लाभ ल सकैत छथि।

कोविड केर मद्देनजर घरहिं पर छठि पूजा के आयोजन करी -एसडीओ
छठि महापाबनि के नीक जकाँ संपन्न करेबा हेतु, अनुमण्डल पदाधिकारी, सदर स्पर्श गुप्ता द्वारा सदर अनुमण्डल क्षेत्र के भिन्न-भिन्न छठि घाट सबहक निरीक्षण केर क्रम में ओ उपस्थित जनप्रतिनिधि सब/व्यक्ति लोकनि सब केँ कोविड गाइडलाइन के पालन करबाक ल’क निदेशित कैल गेल आ कोविड 19 सं बचाव क’ कारणे घरहिं पर छठि पूजा केर आयोजन करबाक हेतु सुझाव देल गेल।