दरभंगा। आजादी के 75 म वर्ष में भारत में चलाओल जा रहल अमृत महोत्सव कें अवसर पर राष्ट्रीय विधिक सेवा प्राधिकार आ बिहार राज्य विधिक सेवा प्राधिकार के निर्देश पर जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा के तत्वाधान में जिला व्यवहार न्यायालय परिसर में सोमदिन के प्रदर्शनी मेला लगाऐल गेल। प्रदर्शनी के उद्घाटन अपर जिला न्यायाधीश मनोज कुमार द्विवेदी, अपर जिला न्यायधीश हम्बर सिंह बघेल,अपर जिला न्यायाधीश सह सचिव जिला विधिक सेवा प्राधिकार जावेद आलम, डीपीओ संजय देव कन्हैया, महिला हेल्प लाइन के अजमतुन निशा आदि संयुक्त रूप सं कएलन्हि।

एहि प्रदर्शनी में,दरभंगा न्यायमंडल में जिला में स्थापना कालहि सं एखन धरिक विभिन्न क्षण सबहक तस्वीर’क संगहि-संग,जिला विधिक सेवा प्राधिकार आ आन विभाग सब द्वारा आयोजित विभिन्न कार्यक्रम सबहक तस्वीर,जकर सीधा असरि समाज’क वंचित अंतिम लोक सब सं ल’के महिला सब-बच्चा सब सहित पीड़ित मानवता के उखेडति अछि,के विवरण सेहो चित्र सबहक माध्यमसँ प्रदर्शन कैल गेल। एहिमे महिला लोकनि आ बच्चा सब केँ अधिकार आ सामाजिक कुरीति सब पर आधारित आन आन स्लोगन सबके सेहो प्रदर्शनी लगाओल गेल। प्रदर्शनी में बच्चा सबहक द्वारा बाल विवाह, बिबाह’क सही उम्र आदि विषय सब पर बनाओल गेल पेंटिग्स के सेहो प्रदर्शनी कैल गेल।

मेला में,न्यायिक व्यवस्था सं संबंधित विभिन्न प्रक्रिया सबहक सेहो,कार्ड बोर्ड द्वारा सुन्दर प्रदर्शन कैल गेल। प्रदर्शनी में उपस्थित जिला विधिक सेवा प्राधिकार,दरभंगा के सचिव जावेद आलम कहलन्हि,जे ई प्रदर्शनी पेन इंडिया अवेयरनेस कार्यक्रम के जरिए दरभंगा कें 1266गाम में पहुंचल अछि।प्रदर्शनी के उद्घाटन के अवसर पर पैनल अधिवक्ता विष्णु कान्त चौधरी, माधव कुमार लाभ, बेबी सरोज , संजीव कुमार, सुनील पाठक, करण कपूर गुप्ता के संगहि संग अधिवक्ता अनिल कुमार मिश्र, सुधीर कुमार, आदि शामिल छलैथ। महिला हेल्पलाइन के अजमतुन निशा, प्राधिकार के संजय कुमार, मुन्ना कुमार, इमामुद्दीन, कमलेश कुमार, प्रेमनाथ सिंह, लक्ष्मी लाभ आदि सक्रिय रूप सं उपस्थित छलाह।

रमेश कुमार सिंह