•15 सं बेसी गर्भवती महिला लोकनि लगेलन्हि टीका
•गर्भवती महिला के टीका सं डरेबाक जरूरत नहि
•वैक्सीन करत दू टा जिंदगी कें सुरक्षित

मधुबनी, 8नवंबर।स्वास्थ्य विभाग 18 वर्ष सं ऊपर कें सबटा व्यस्क लोकनि कें टीकाकरण क’ ल’के प्रयासरत अछि।एहि संदर्भ में सरकार द्वारा चरणबद्ध तरीके सं टीकाकरण अभियान चलाओल गेल। सरकार द्वारा जारी दिशानिर्देश के अनुसारे गर्भवती महिला लोकनि कें सेहो टीकाकरण करेबाक निर्देश देल गेल अछि। एहि क्रम में सोमदिन जिला के ओपीडी में 15 सं बेसी गर्भवती महिला लोकनि एहि कोविड-19 के टीका लेलनि। स्वास्थ्य विभाग आ केयर इंडिया केर पहल सं प्रतिदिन 50टा गर्भवती महिला लोकनि कें टीकाकृत करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा कहलनि जे ‘गर्भवती मां के टीकाकरण सं मां के गर्भस्थ बच्चे के सेहो बचाओल जा सकैत अछि। अगर मां के अंदर रोग प्रतिरोधक क्षमता विकसित भ जाएत अछि त ई बच्चा में सेहो चलि जायत अछि। वैक्सीन आ मां के शरीर में विकसित रोग प्रतिरोधक क्षमता के असरि बच्चे में कम सं कम जन्म के समय तक बनल रहत।’

भ्रांति सब सं बचबाक अछि जरूरत:

टीका लेनब बाली लाभार्थी संगीता देवी 8 महीना के गर्भवती, फिरोज खातून 5 महीना के गर्भवती, मीना कुमारी 6 महीना के गर्भवती सबगोटे कहलनि जे टीकाकरण करबेबा के बाद कोनो प्रकार’क कोनो लक्षण प्रतीत नहि भेल। संगीता देवी कहलनि समाज में आस परोस’क बहुतो गर्भवती महिला लोकनि छथि जे एखनहुं टीका लेबा सं परहेज क रहल छथि हुनका एखनो तक सही जानकारी नहि भेटलनि अछि जे टीका हुनका आ हुनकर बच्चा कें कोनो नुकसान नहि करत आ एहि तरह’क भ्रांति सब दूर करबाक जरूरत अछि।

दू टा जिंदगी के सुरक्षा केर सवाल:

सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा ने कहलनि जे अपना सब हक बीच बहुत तरह’क भ्रम के जानकारी भेट रहल अछि।एखनो धरि ग्रामीण क्षेत्र में बहुते महिला सब टीका लेब सं घबराई छथि।विभाग द्वारा निर्देश देल गेल जे क्षेत्रीय कार्यकर्ता द्वारा गर्भवती महिला लोकनि कें लाइन लिस्टिंग क’ हुनका टीका के प्रति जागरूक कएल जाय। समाज में सबटा व्यक्ति तक टीके केर पहुंच सुनिश्चित करबाक लेल ई जरूरी अछि जे सब लोक जागरूक होइथ। टीका केवल पुरुष सबहक लेले नहि ई गंभीर बीमारी सब सँ ग्रसित आ गर्भवती महिला आ दूध पिआब बाली माता लोकनि के लेल सेहो कारगर अछि। विभाग द्वारा निर्देश देल गेल अछि जे सामुदायिक बैसक के मध्य लोक सबकें टीका के प्रति जागरूक कैल जाए। एकर सकारात्मक प्रभाव देखबा में ऐब रहल अछि। आब गर्भवती महिला सब सेहो आगू बढिके टीका लेबा के लेल केंद्र सब पर आबि रहल छथि। ओ कहलथि जे , ‘दोसर लहरि के दौरान ई देखल गेल जे कोविड-19 सं संक्रमित गर्भवती महिला लोकनि कें मृत्युदर में पहली लहरि के तुलना में दू सं तीन गुना वृद्धि भेल अछि। एहेन स्थिति में, ई महसूस कैल गेल जे गर्भवती महिला लोकनि कें सेहो कोविड-19 वैक्सीन के टीका लगेबाक चाही। गर्भवती महिला लोकनि के मामिला में, दू टा जिंदगी सब के सुरक्षा शामिल अछि मां आ ओकर गर्भस्थ शिशु। ताहि कारणें , स्वास्थ्य विभाग गर्भवती महिला लोकनि कें टीकाकरण करबाक का फैसला लेलक अछि।’ ओ कहलनि जे एहि टीका सं माता लोकनि कें बेसी लाभ हैत।

गर्भवती महिला सब के लेल टीका सुरक्षित:
केयर इंडिया के डीटीएल महेंद्र सिंह सोलंकी कहलनि गर्भवती माता लोकनि कें सेहो टीका लगाओल जेबाक चाही । किया की एहि सं नहि केवल मां के शरीर में बल्कि बच्चे के लिए सेहो रोग प्रतिरोधक क्षमता विकसित हैत।’ ओ कहलनि, ‘कुल मिलाके, टीका सुरक्षित पाओल गेल अछि। किछु लोक पहिल तीन महीना में गर्भवती मां के टीका लगेबा पर संदेह आ भय व्यक्त क रहल छथि किया की एहि अवधि में बच्चा सबहक अंग विकसित हेबा शुरू भ जाएत अछि। एहि शंका सबकेँ दूर करैत, सिंह, मां के संगहि-संग बच्चा के लेल सेहो वैक्सीन कें सुरक्षित कहलन्हि। टीका सं मां के गर्भस्थ शिशु पर टीके के कोनो खराब प्रभाव नहि पड़त।’ ओ आगू कहलन्हि जे टीके लगबाब वाली गर्भवती महिला सबहक निगरानी कैल जाएत अछि। जाहि सं हुनकर सुरक्षा सुनिश्चित कैल जा सकैन । ओ कहलनि , ‘सब गर्भवती महिला लोकनि कें जिनका जिला में टीका लगाओल जा रहल अछि, कोनो तरह’क असुविधा के लक्षण सब कें निगरानी के लेल स्वास्थ्य विभाग कें माध्यम से देखरेख कैल जाएत अछि।