दरभंगा, 12 नवम्बर:- समाहरणालय अवस्थित, दरभंगा डॉ. भीमराव अंबेडकर सभागार में जिलाधिकारी दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम केर अध्यक्षता में कोरोना सं सुरक्षा आ बचाव सबकेँ ल के कएल जा रहल टीकाकरण कार्य केर समीक्षा बैसार कैल गेल।
बैसार में जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ. अमरेंद्र कुमार मिश्र कहलनि जे दरभंगा में टीकाकरण अच्छादन 67 प्रतिशत सं बढ़ि’के 71 प्रतिशत भ गेल अछि ।बाइक टीका टाइगर एक्सप्रेस* द्वारा मोटरसाइकिल सं घरे-घर भ्रमण क’ तेजी सं टीकाकरण कएल जा रहल अछि।

जिलाधिकारी कहलनि जे राज्य स्तरीय बैसार में ई निर्देश प्राप्त भेल जे हर हाल में  पहिल डोज के टीकाकरण 21 नवंबर तक आ दोसर डोज के बकाया टीकाकरण के काज 30 नवंबर तक पूरा क लेबाक अछि । एकरा लेल 16 सं 19 नवंबर तक जिला में टीकाकरण अभियान चलाओल जायत।

   ओ कहलनि जे जिला में लगभग 60 सं 65 हजार गर्भवती महिलाएं छथि जिनकर सूची आंगनबाड़ी केंद्र सबहक लग अछि ओहि सबटा के टीकाकरण 13 नवंबर के कैल जायत। एकरा लेल बाइक टीका टाइगर एक्सप्रेस भोर 7:00 बजे सं आंगनबाड़ी केंद्र सबहक भ्रमण क जिला के छुटल गर्भवती महिला लोकनि कें टीकाकरण पूर्ण कर लैथ।
       
एकरा लेल सबटा बाल विकास परियोजना पदाधिकारी अपन प्रखंड कें प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी सं आंगनबाड़ी केंद्रवार समय आ कार्यक्रम निर्धारित करवा लईथ आ बाइक टीका टाइगर एक्सप्रेस सं अपन एल एस के माध्यम सं समन्वय स्थापित करवा के सबटा गर्भवती महिला लोकनि कें टीकाकरण 13 नवंबर के करवा ली।

    चलि रहल टीकाकरण अभियान कूर समीक्षा में पाओल गेल जे दरभंगा जिला में 05 लाख 50 हजार टीका उपलब्ध अछि आ 04 लाख लोक सबकें दोसर डोज के टीका देल जेनाइ अछि।समीक्षा में पाओल गेल जे अलीनगर, बहेड़ी, बेनीपुर, हायाघाट आ किरतपुर प्रखंड के स्थिति पिछला 12 दिन’क टीकाकरण में संतोषजनक नहि अछि।
   
ओतहि घनश्यामपुर, सदर, बहादुरपुर, सतीघाट, मनीगाछी आ गौराबौराम प्रखंड टीकाकरण में नीक प्रगति केलक अछि। बैसार में उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया, सहायक समाहर्ता अभिषेक पलासिया, सिविल सर्जन डॉ. अनिल कुमार, उप निदेशक जन संपर्क नागेंद्र कुमार गुप्ता, जिला प्रोग्राम पदाधिकारी, समेकित बाल विकास परियोजनाएं डॉ रश्मि वर्मा, डीपीएम हेल्थ डॉ. विशाल कुमार आ संबंधित पदाधिकारी गण उपस्थित छलाह ।