दरभंगा, 12 नवम्बर वृहस्तपति दिन छठि महापाबनि शान्ति पूर्ण सम्पन्न भेल। दरभंगा में ठाम ठाम घाट पर जा’के विधिक जागरूकता अभियान चलाओल गेल आ लोक सब के जागरूक कएल गेल। विधिक सेवा प्राधिकार के सचिव आ दरभंगा व्यवहार न्यायालय के न्यायाधीश, जावेद आलम एकर विस्तृत जानकारी देलनि।
    ओ सब लोक सबकें कानून के बारे में बेसी सं बेसी जागरूक हेबाक कहलनि जाहि सँ की समय पर न्याय भेट सकए। ओ आग्रह कएलन्हि जे गरीब आ वंचित लोक न्यायालय सं पहिले एक बेर ज़िला विधिक सेवा प्राधिकार में अवश्य आबथि।
    ओ कहलनि जे एकरा लेल बेसी सं बेसी लोक सब केँ जागरूक कएल जा रहल अछि। जिला में लगातारे जागरूकता शिविर लगाओल जा रहल अछि आ बेस संख्या में लोक सब विधि के जानकारी के प्रति जागरूक सेहो भ रहल छथि।आ जागरूक भ अपन हक के लेल आगू आबि रहल छथि। एहि मे क़ानून आ ओकर उपचार के जानकारी सेहो देल जाइत अछि। ग़रीब सब, वंचित सब आ बेसहारा लोक सबकें एकर माध्यम सं न्याय भेटबाक एकटा और रास्ता भेट रहल अछि।
      जिला विधिक सेवा प्राधिकार,दरभंगा द्वारा एकरा लेल लगातार पंचायत आ ग्राम वार कैम्प सेहो चलाओल जा रहल अछि जाहिमे पैघ संख्या में लोक सब विधि कें जानकारी के प्रति जागरूक भ रहल छथि आ जागरूक भ अपन अधिकार’क लेल शिविर में आबि रहल छथि। एहि स हुनका न्याय प्राप्त करबा में सुविधा भ रहल अछि। शिविर में क़ानून आ ओकर उपचार के संबंध में विस्तृत जानकारी देल जा रहल अछि।