आजुक दिन(11 नवंबर) अखिल भारतीय कांग्रेस कमिटी अल्पसंख्यक विभाग के राष्ट्रीय अध्यक्ष इमरान प्रतापगढ़ी जी के निर्देश पर दरभंगा प्रमंडल कांग्रेस कमिटी अल्पसंख्यक विभाग के अध्यक्ष डॉ जमाल हसन मौलाना अबुल कलाम आजाद जी के जयंती पर हुनकर चित्र पर माल्यार्पण क मौलाना अबुल कलाम आजाद अमर रहे क’ नारा लगेलन्हि ओकर बाद झुग्गि सब में रह बला सैकड़ों गरीब बच्चा सबहक बीच कॉपी,पेंसिल, मिठाइ सब वितरित कएलन्हि आ मौलाना अबुल कलाम आजाद के बारे में लोक सबहक बीच अपन विचार व्यक्त केलनि।

डॉ जमाल हसन कहलन्हि जे मौलाना अबुल कलाम आजाद जी के जन्म 11 नवंबर 1888 के सऊदी अरब के मक्का में भेल छल, शिक्षा के क्षेत्र में अभूतपूर्व योगदान क कारण सं हरेक साल 11 नवंबर के पूरा देश में राष्ट्रीय शिक्षा दिवस के रूप में मनाओल जाइत अछि। मौलाना अबुल कलाम आजाद एकटा महान स्वतंत्रता सेनानी छलाह जे अपन भारत देश’क आजादी के लेल भारतीय स्वतंत्रता संग्राम में हिस्सा लेलथि। एहि स्वतंत्रता संग्राम में ओ एकटा महान सेनानी के रूप में कार्य केने छलाह आ देश हुनकर योगदान के कखनो बिसरि नहि सकैत अछि।

डॉ जमाल हसन कहलनि जे आजाद भारत के पहिल शिक्षा मंत्री मौलाना अबुल कलाम आजाद छलाह,ओ साल 1947 सं ल’के 1958 तक भारत देश के पहिल शिक्षा मंत्री रहल छलैथ ओ 11 साल के कार्यकाल में कई रास महत्वपूर्ण बोर्ड आ आयोग के स्थापना केने छलैथ। जाहिमे विश्वविद्यालय अनुदान आयोग, अखिल भारतीय तकनीकी शिक्षा परिषद, खड़गपुर उच्च शिक्षा संस्थान,विश्वविद्यालय शिक्षा आयोग, माध्यमिक शिक्षा आयोग शामिल अछि जे देश के लिए बहुत बेसी महत्वपूर्ण अछि आ एकटा स्वतंत्रता सेनानी के रूप में भारतीय स्वतंत्रता संग्राम में सेहो हिस्सा लेने छलाह जाहि कारणें हुनका साल 1992 में भारत रत्न पुरस्कार सं सम्मानित कैल गेल छल।कार्यक्रम में शामिल हुअ बला सब में मोहम्मद नूर,मोहम्मद सौदागर,मोहम्मद फैसल,सत्येंद्र ठाकुर जहांआरा, अश्विनी कुमार,रूहअफजा परवीन,शकीला खातून,संजीत पासवान,सहित कई एक लोक सब उपस्थित छलाह ।