ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा केर स्नातक तृतीय खंड,सत्र 2018-2021 के विज्ञान संकाय’क परीक्षाफल आजुक दिन प्रकाशित क’ देल गेल।परीक्षाफल जारी करैत, परीक्षा नियंत्रक डा.आनन्द मोहन मिश्र कहलनि जे एहि परीक्षा मे कुल 19418 अभ्यर्थि लोकनि परीक्षा प्रपत्र भरने छलाह,जाहिमे 19185 परीक्षार्थी परीक्षा में सम्मिलित भेलाह। 73.32 प्रतिशत परीक्षार्थी उत्तीर्ण घोषित कैल गेलैथ।एहि मे 9590(49.39%) प्रथम श्रेणी,आ 4640(23.90%) दोसर श्रेणी सं उत्तीर्ण भेलाह। 06 टा परीक्षार्थी जी ई एस मे सम्मिलित भ’ के उत्तीर्ण भेलाह। स्नातक प्रथम खंड और दोसर खंड के परीक्षा प्राप्तांक के अनुपलब्धता के कारणे 2506 परीक्षार्थियों सबहक परीक्षाफल के लंबित राखल गेल अछि । प्रथम खंड आ दोसर खंड केर परीक्षा परिणाम एबाक बाद उत्तीर्णता क’ स्थिति मे एहि सबहक सेहो परीक्षा फल घोषित क’ देल जायत। कला आ वाणिज्य संकाय के परीक्षाफल सेहो जल्दीये प्रकाशित क’ देल जायत। कुलपति प्रो. सुरेन्द्र प्रताप सिंह सफल परीक्षार्थियों लोकनि के शुभकामना दैत कहलन्हि जे नव वर्ष मे सब अपन अपन मनपसन्द बाट के चयन क’ सफलता अर्जित करथि।