Breaking News

हनुमाननगर प्रखंड क्षेत्र’क त्रिस्तरीय पंचायत जनप्रतिनिधि सबहक शपथ ग्रहण समारोह प्रखंड कार्यालय केर प्रांगण मे भेल। जाहि मे अखिल भारतीय किसान सभा के जिला अध्यक्ष आ पंचोंभ मुखिया राजीव कुमार चौधरी सहित रामपुरडीह केर श्याम राय, गोढ़ियारी के इंदु देवी, डिहलाही के रूबी खातून, नेयाम के विपिन कुमार साह, सिहवाड़ा के रवि रंजन कुमार सिंह, थलवारा के कामदेव यादव सहित दर्जन भरि मुखिया प्रत्याशी सहित वार्ड सदस्य, सरपंच, पंच आ पंचायत समिति सदस्य गण अपन मातृ भाषा मैथिली भाषामे शपथ ग्रहण केलन्हि। एहि अवसर पर प्रतिनिधि सब कहलनि जे आब बला दिन में हम सब पदाधिकारी गण सं गप-शप आ पत्राचार सेहो मैथली भाषे मे करब। जाहि सँ मैथली भाषा केर विकास होयत।