कोरोना टीकाकरण आ सर्वे क संचालन क’ ल’क डीएम देलैनि निर्देश

दरभंगा, 25 अक्टूबर। ज़िला में 28 अक्टूबर आ सात नवम्बर के महा टीकाकरण अभियान चलाओल जैत। स्वास्थ्य विभाग दिस सं एहि कार्यक्रम के सफल करबाक लेल पूरा तैयारी कैल जा रहल अछि। एकरा देखैत जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम. केर अध्यक्षता में कोरोना टीकाकरण आ सर्वे क ल’क स्वास्थ्य विभाग के पदाधिकारि सब, सबटा प्रखण्ड विकास पदाधिकारी, प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी, बाल विकास परियोजना पदाधिकारी के एक टा निर्देश देर गेलन्हि। एहि क्रम में पाओल गेल जे सिंहवाड़ा, मनीगाछी, सतीघाट आ केवटी सहित कईएक प्रखण्ड सब में सर्वे क काज एखन पूरा नै भेल अछि, एखनो बहुतो वार्ड छूटल अछि आ कई एक प्रखण्ड द्वारा सर्वे क डाटा विभागीय पोर्टल पर पूरा तरहें अपलोड नै कैल गेल छल। जिलाधिकारी सब प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी आ बाल विकास परियोजना पदाधिकारी के संयुक्त हस्ताक्षर सं सर्वे आदेश जारी करबाक निर्देश देलैन। ओ कहलथि जे सर्वे क काज आशा करती, जत आशा कार्यकर्ता नै छथि, ओत सेविका क मदैद लेल जा सकैत अछि। ओ दू दिनक अल्टिमेटम दैत कहलनि जे जाहि वार्डों में सर्वे भ गेल अछि,ओत पुनर्सत्यापन करा लेल जाए आ जत सर्वे नै भेल अछि ,ओत नीक जकाँ सर्वे करा लेल जाए। 

बाहर सं आब बला सबहक जांच करू सुनिश्चित

डीएम महोदय अधिकारि सब कें निर्देश दैत कहलैन जे दीपावली आ छठ पाबनि में बहुतो लोक बाहर सं अपन घर एता। एहि क्रम में हुनकर संक्रमण क देखैत कोरोना जांच जरूरी छैन्ह। संगहि जे टीका नै लगेने छथि , हुनका वैक्सीनेशन क सुविधा प्रदान कैल जाए। एहि मध्य कोनो व्यक्ति क संक्रमण क’पुष्टि हेबा पर विभागीय प्रोटोकॉल क अनुपालन कैल जाए।

23 तक 68 हज़ार व्यक्ति कैल गेलैथ चिह्नित
डीएम महोदय कहलनि जे सर्वे सं 23 अक्टूबर तक 68 हजार व्यक्ति चिह्नित कैल गेलैथ। जिनका टीका नहि पड़ल आ ओ टीका लेब चाहैत छैथ। एहि चिह्नित व्यक्ति सब कें टीकाकरण क लेल प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी आ प्रखण्ड स्वास्थ्य प्रबंधक प्रत्येक ए.एन.एम. क लेल लक्ष्य निर्धारित क दैथ, जाहि सं कि दू दिनक भीतर हुनकर टीकाकरण कैल जा सकैन आ 28 अक्टूबर तक ओकर डाटा अपलोड कराओल जा सकै। 23 अक्टूबर के बाद चिह्नित व्यक्ति सबहक टीकाकरण 07 नवम्बर क पहिले करा लेल जाए। ओ कहलनि जे 28 अक्टूबर आ 07 नवम्बर के टीकाकरण महाअभियान चलाओल जैत। एकर काज योजना प्रखण्ड विकास पदाधिकारी आ प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी संयुक्त रूप सं बना लैथ। नगर निगम क्षेत्र’क छूटल 80 हजार लोक सब केँ टीकाकरण क लेल नगर आयुक्त मनेश कुमार मीणा क दू दिनक भीतर स्वास्थ्य विभाग के सहयोग सं टीकाकरण करा लेबाक निर्देश देल गेल । बैसक मे उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया, सहायक समाहर्त्ता अभिषेक पलासिया, सिविल सर्जन डॉ. अनिल कुमार, उप निदेशक, जन सम्पर्क नागेन्द्र कुमार गुप्ता, जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ. अमरेन्द्र कुमार मिश्र, जिला कल्याण पदाधिकारी मदन प्रसाद, डी.पी.एम. (हेल्थ) विशाल कुमार, डी.पी.ओ. (मध्याह्न भोजन) संजय देव ‘‘कन्हैया’’ आ आन आन संबंधित पदाधिकारी उपस्थित छलाह।