दरभंगा, 31 दिसम्बर- बाबा साहेब डॉ0 भीमराव अंबेडकर सभागार मे कोविड-19 टीकाकरण अभियान के ल’के उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया केर अध्यक्षता मे बैसार आयोजित कैल गेल।
बैसार में सिविल सर्जन डॉक्टर अनिल कुमार सिन्हा, जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ अमरेंद्र कुमार मिश्र, डीपीएम हेल्थ, डीपीएम जीविका आ संबंधित पदाधिकारी गण उपस्थित छलाह। ओतहि सब प्रखंड’क प्रखंड विकास पदाधिकारी, प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी, बाल विकास परियोजना पदाधिकारी, स्वास्थ्य प्रबंधक गण ऑनलाइन उपस्थित छलाह।
बैसार में शिक्षा विभाग,बिहार सरकार के अपर मुख्य सचिव श्री संजय कुमार द्वारा सब जिलाधिकारी, समस्त सिविल सर्जन आ सबटा जिला शिक्षा पदाधिकारी लोकनि के जारी पत्र’क आलोक मे 15 सं 18 वर्ष आयु वर्ग (जिनकर जन्म 2007 आ एहि सं पूर्व) के किशोर आ किशोरी सबकेँ लेल 03 जनवरी 2022 सं कोविड-19 टीकाकरण अभियान चलेबाक निर्देश देल गेल।
बैसार में जारी पत्र’क आलोक मे बताओल गेल जे किशोर आ किशोरी सबकें केवल कोवैक्सीन (covaxin) के दू खुराक 28 दिन’क अंतराल पर देल जेतनि ।सबटा प्रखंड विकास पदाधिकारी आ प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी के अपन अपन प्रखंड में एकर तैयारी क’ लेल कज सबहक योजना बना लेबाक निर्देश देल गेल ।
पत्र’क आलोक मे हुनका ओहेन विद्यालय सब मे टीका सत्र केर आयोजन करबेबाक आ एकर व्यापक प्रचार-प्रसार करेबाक सेहो निर्देश देल गेल अछि। एकरा लेल प्रत्येक विद्यालय स्तर पर एकटा शिक्षक के नोडल नामित करबाक निर्देश देल गेल अछि।
31 Dec 2021