दरभंगा, 29 दिसम्बर :- बिहार सरकार’क गृह विभाग (विशेष शाखा), बिहार, पटना सं निर्गत आदेश के अनुसार राज्य में कोरोना के संक्रमण केर स्थिति के नियंत्रण में रखबाक हेतु 28 दिसम्बर 2021 के आपदा प्रबंधन समूह (CMG) केर बैसार मे लेल गेल निर्णय क’ आलोक मे वर्तमान मे कोविड-19 के नबका वैरिएंट ऑफ कंसर्न (VoC), ओमिक्रोन (Omicron) के संक्रमण के प्रसार आ आसन्न नववर्ष, 2022 के पूर्व संध्या तक प्रथम दिवस हुअ बला आयोजन आ सार्वजनिक स्थल सब पर भीड़ के एकत्रित हेबाक संभावना के मद्देनजर मुख्य सचिव, बिहार श्री त्रिपुरारी शरण द्वारा राज्य के सब प्रमण्डलीय आयुक्त, सब क्षेत्रीय पुलिस महानिरीक्षक, उप-महानिरीक्षक, सब जिलाधिकारी, सब वरीय पुलिस अधीक्षक/पुलिस अधीक्षक के निदेशित कैल गेल अछि जे सबटा पार्क आ उद्यान (जैविक उद्यान सहित) दिनांक 31 दिसम्बर 2021 सं दिनांक 02 जनवरी 2022 तक पूर्णतया बंद रहत, एहि आदेश के कड़ाई सं अनुपालन करेनाइ सुनिश्चित कराबऽ ल कहल गेल अछि।
     एकर अतिरिक्त सब प्रकार के सामाजिक, राजनीतिक, मनोरंजन, खेलकूद, शैक्षणिक, सांस्कृतिक आ धार्मिक आयोजन सब आ कार्यक्रम में उपस्थित व्यक्ति सबहक द्वारा मास्क पहिरनाई, सोशल डिस्टेंसिंग इत्यादि कोविड-19 अनुकूल व्यवहार आ अद्यतन मानक संचालन प्रक्रिया के अनिवार्य रूप से अनुपालन सुनिश्चित करेबाक दायित्व आयोजन/ कार्यक्रम के प्रबंधक के हेतैन्ह।