मिथिलांचल’क हृदयस्थली दरभंगा में ठंड अपन असर दिन प्रति दिन बढ़बैत जा रहल अछि।पिछला कई एक दिन सं दरभंगा आ आसपास के इलाका सबमें मेघ’क चोरा नुकि के बाद आई आखिरकार हल्लुक बूंदाबांदी भ’ रहल अछि। बारिश के कारणे ठिठुरन सेहो बढि गेल अछि।आई भैर दिन मरियैल रौद रहल। मौसम पुर्वानुमान मे सेहो बर्षा के संभावना व्यक्त कैल गेल छल।

जनतब रहै जे समस्तीपुर मे सेहो हल्लुक वर्षा भ’ रहल अछि। आई पूरा प्रदेश में मौसम लगभग एक रंगाहे छल। वर्षा क बाद मौसम मे और बेसी ठंढ बढबाक संभावना अछि।