Breaking News

दरभंगा, 27 दिसम्बर 2021 :- बिहार विधान सभा केर अध्यक्ष विजय कुमार सिन्हा,ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के चौरंगी अवस्थित महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह’क प्रतिमा,


ललित नारायण मिश्रा के प्रतिमा आ बाबा साहेब डॉ. भीमराव अम्बेदकर के प्रतिमा पर माल्यार्पण क’ अपन श्रद्वा सुमन अर्पित कएलन्हि। 

एहि अवसर पर दरभंगा के सांसद गोपाल जी ठाकुर, नगर विधायक संजय सरावगी, बेनीपुर के विधायक डॉ. विनय कुमार चौधरी, केवटी के विधायक डॉ. मुरारी मोहन झा, कुशेश्वरस्थान के विधायक अमन भूषण हजारी, माननीय विधान पार्षद् श्री अर्जून सहनी आ आनो जनप्रतिनिधिगण द्वारा सेहो श्रद्धा सुमन अर्पित कैल गेल।