Breaking News

दरभंगा, 27 दिसम्बर :- बिहार विधान सभा के माननीय अध्यक्ष विजय कुमार सिन्हा, विरासत दर्शन कार्यक्रम के अंर्तगत दरभंगा के प्रसिद्ध श्यामा माई मंदिर के दर्शन केलनि आ ओतहि श्यामा माई की पूजा-अर्चना सेहो केलन्हि। मंदिर’क पूजारी ताराकान्त झा विधि-वत् मंत्रोच्चार के संग पूजा सम्पन्न करौलनि।

  एहि अवसर पर दरभंगा के माननीय सांसद श्री गोपाल जी ठाकुर, माननीय नगर विधायक श्री संजय सरावगी, बेनीपुर के माननीय विधायक डॉ. विनय कुमार चौधरी, केवटी के माननीय विधायक डॉ. मुरारी मोहन झा, कुशेश्वरस्थान के माननीय विधायक श्री अमन भूषण हजारी संगे छलाह।
  एकर उपरान्त मंदिरे परिसर अवस्थित महादेव मंदिर में महानुभाव सबहक द्वारा पूजा-अर्चना कैल गेल , जतए हेमचन्द्र झा विधिवत् पूजा-अर्चना करेलनि।