Breaking News

दरभंगा, 16 नवम्बर – चाइल्ड लाइन सं दोस्ती सप्ताह’क अन्तर्गत आई तेसर दिन (16 नवम्बर) के लहेरियासराय स्थिति जी.एन नर्सिंग स्कूल में छात्र/छात्रा लोकनि के संग परिचर्चा केर आयोजन कैल गेल। 

सबसँ पहिने केन्द्र समन्वयक अराधना कुमारी के द्वारा सबटा छात्र-छात्रा लोकनि कें गोद लेबा’क प्रक्रिया के संबंध में जानकारी देल गेल। ओ कहलथि जे कोनो नवजात परित्यक्त बच्चा के अपना लग रखनाई आ एकर सूचना नहि देनाई कानूनन अपराध अछि आ एकरा लेल तीन वर्ष’क कैद के संगहि-संग एक लाख रुपये तक के जुर्माना केर प्रावधान अछि। महिला संरक्षण पदाधिकारी अजमातून निशा कहलनि जे बच्चा लोकनिक सुरक्षा’क लेल माता के संरक्षण जरूरी अछि, ताहि कारणें जौँ कोनो महिला कें संग कोनो तरहक हिंसा होइत अछि तखन महिला हेल्प लाइन सं सम्पर्क करी। हुनका निःशुल्क सहायता प्रदान कैल जयतन्हि। एकरे संगहि जिला समन्वयक रविन्द्र कुमार द्वारा बच्चा लोकनि कें अधिकार पर चर्चा कैल गेल।

एहि कार्यक्रम में चाइल्ड लाइन कें परामर्शी सच्चिदानंद झा, टीम सदस्य पंकज कुमार चौधरी, शिव प्रसाद, राकेश कुमार,अर्चना कुमारी आ शिवगंगा देवी ई सब भाग लेलनि