दरभंगा, 16 नवम्बर –  दरभंगा, समाहरणालय अवस्थित बाबा साहेब डॉ. भीम राव अंबेडकर सभागार में राष्ट्रीय प्रेस दिवस के आयोजन कैल गेल।
सर्वप्रथम उप निदेशक, जन सम्पर्क, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा-सह- प्रभारी जिला जन सम्पर्क पदाधिकारी, दरभंगा नागेन्द्र कुमार गुप्ता आ जिला के पत्रकार गण द्वारा दीप प्रज्वलित क’ राष्ट्रीय प्रेस दिवस केर शुभारंभ कैल गेल।
राष्ट्रीय प्रेस दिवस पर आयोजित संगोष्ठी के संबोधित करैत हुए उप निदेशक, जन सम्पर्क, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा-सह- प्रभारी जिला जन सम्पर्क पदाधिकारी, दरभंगा नागेन्द्र कुमार गुप्ता कहलनि जे who is not, afraid of media (कौन है, जो मीडिया से भयभीत नहीं हैं) एहि विषय पर विचार-विमर्श करबाक के लेल या अपन विचार रखबाक लेल ई विषय निर्धारित कैल गेल छल।

ओ कहलनि जे राष्ट्रीय प्रेस दिवस के अवसर पर सबसं पहिले हम दरभंगा जिला के जितेक कियो संवाददाता छथि, ब्यूरो चीफ छथि, स्थानीय संपादक छथि, चैनल के जे कियो जिला प्रतिनिधि छथि, हुनका सबहक हार्दिक स्वागत करैत छी आ हार्दिक अभिनंदन करैत छी। राष्ट्रीय प्रेस दिवस के अवसर पर हम अपन शुभकामना सेहो द रहल छी।
ओ कहलनि जे हम बुझैतछी जे मीडिया के चारिम स्तंभ सेहो कहल जाइत अछि, जाहि तरह सं सरकार के तीनटा अंग होईत अछि – कार्यपालिका, न्यायपालिका और विधायका, ओहि तरहें पूरा सिस्टम में एकटा चारिम स्तंभ सेहो अछि – मीडिया, जे कि एहि तीनों स्तंभों पर नजरि रखैत अछि। मीडिया अपना करैत अछि आ जे पद धारी छथि, पैघ पैघ पद पर आसीन छथि हुनका द्वारा समय-समय पर प्रेस के, जे हुनका द्वारा कैल गेल अछि आ
जे हुनकर विभाग के द्वारा काज कैल गेल अछि या ओहि पद पर आसीन रहैत, जे काज ओ केलैथ, ओ प्रेस के माध्यम सं जनता के अवगत करबैत छथि।       
     प्रेस सं भयभीत ओ नहीं होईत छथि , जे अपन काज नियम पूर्वक करैत छथि , ओना त काज करबा में बूझि अबूझि में गलति सब होइत रहैत अछि । मुदा देखल ई जेबाक चाही की गलती जानि बूईझ क कैल गेल अछि वा काज करबाक मध्य अनजाने में भ गेल अछि।
ओ कहलनि जे निर्धारित नियम आ प्रक्रिया के अनुसारे काज करैत छी, जे देल गेल दायित्व के नीक जकाँ   निर्वाह करैत छथि, हुनका प्रेस सं डरेबाक आवश्यकता नहीं अछि।

     परिचर्चा में भाग लैतहुए वॉइस ऑफ दरभंगा के संपादक अभिषेक कुमार, नव बिहार टाइम्स के ब्यूरो चीफ देवेंद्र कुमार ठाकुर, हिंदुस्तान के संवाददाता विनय ठाकुर, बी.टी.एन. के छायाकार सरफराज आलम, दैनिक जागरण के छायाकार फिरोज, दरभंगा टुडे के संपादक संतोष दत्त झा, ई.टी.वी. भारत के संवाददाता फिरोज, दैनिक भास्कर भास्कर के छायाकार राहुल गुप्ता, उर्दू समाचार पिन्दार के ब्यूरो चीफ इरफान अहमद पैदल, सिटीजन आवाज के बिरौल प्रखंड के संवाददाता संजय कुमार सिंह आ आन जिला आ प्रखंड स्तरीय संवाददाता सबहक द्वारा अपन-अपन सुझाव सेहो देल गेल आ कार्यअनुभव पर परिचर्चा कैल गेल।
     उप निदेशक, जन सम्पर्क, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा-सह- प्रभारी जिला जन सम्पर्क पदाधिकारी, दरभंगा, मीडिया प्रतिनिधि सबहक द्वारा परिचर्चा में राखल गेल विचारा के स्वागत कएलन्हि। ओ मीडिया प्रतिनिधि सबहक द्वारा उठाओल गेल मुद्दा आ सुझाव सब पर अमल करबाककी प्रतिबद्धता प्रकट केलनि।
   राष्ट्रीय प्रेस दिवस में संवाददाता पप्पू सिंह, विनय कांत ठाकुर, मो. मिन्नतुल्ला, मो. लाल बाबू अंसारी, फिरोज अहमद, कैलाश ठाकुर, एम.एच खान, सुमित कुमार झा, रोहित राज, देवेन्द्र कुमार ठाकुर, रवि शंकर झा, विजय कुमार सिन्हा, अभिषेक कुमार, इरफान अहमद पैदल, मो. अब्दुल कलाम उर्फ गुड्डू, संतोष दत्त झा,आशुतोष कुमार झा, आशीष कुमार राय,संजय सिंह, आसिफ शेख, मो. सरफराज आलम, इम्तियाज अहमद, राहुल कुमार गुप्ता, दिलीप कुमार झा, कौशल झा, अभय कुमार राज, राजू सिंह, नीरज कुमार, अजीत कुमार सिंह, अब्दुल्लाह, संजय मंडल, रमन कुमार दास, अविनाश कुमार, रमेश कुमार शर्मा, इंद्र भूषण चौधरी, धीरेन्द्र मिश्रा आ मो. फिरोज संगहि आन आन मीडिया प्रतिनिधि उपस्थित छलाह ।