#MNN24X7 दरभंगा बीतल रविकेँ अपराह्न तीन बजे महाराज महेश ठाकुर मिथिला महाविद्यालय दरभंगाक सभागारमे अभ्युदय साहित्यिक मंच, ननौर केर तत्वाधानमे पोथी विमोचन समारोह आयोजित भेल। एहि समारोहमे अखिलेश कुमार झाक दोसर पोथी ‘गुम्मा कक्काक गुम्मी’ विमोचित भेल।

कार्यक्रमक अध्यक्षता रमेश, संचालन मोहन मुरारी, स्वागत भाषण प्रदीप पुष्प, स्वस्ति वाचन बलराम जी झा आ धन्यवाद ज्ञापन हमहीं केलहुँ।। एहि अवसरपर डॉ.सुनीता झा, डॉ.जयानंद मिश्र, आनंद मोहन झा,डॉ.कमल मोहन चुन्नू, डॉ सत्येन्द्र कुमार झा,रीमा मिश्रा,सुमित श्री,हरिश्चन्द्र हरित, श्याम भास्कर, दुर्गा नंद ठाकुर,राकेश चंद्र नंदन,डॉ चंद्र मोहन झा पड़वा सहित अनेक वक्ता अपन विचार व्यक्त केलनि।

एकर अतिरिक्त राघव रमण, अभिनव, प्रद्युम्न, राहुल, आनंद मोहन, वन्दना, डॉ. प्रतिभा स्मृति, पंकज, राजकिशोर झा, डॉ. गोविन्द झा, बूढा भाई, गौतम झा, शिवम झा,आनंद मिश्र, राहुल चौधरी,नन्द कुमार राय, देवनारायण यादव सहित कतेको गणमान्य लोकनिक गरिमामयी उपस्थिति बनल रहल। अन्तमे त्वरित सूचना भेटल जे मैथिली साहित्यक स्तंभ अग्नि पुष्प दिवंगत भ’ गेला। सूचना भेटैत देरी हुनका श्रद्धांजलि देल गेल। दू मिनटक मौनक उपरांत अध्यक्षक अनुमतिसँ कार्यक्रमक समापन केर घोषणा भेल। कार्यक्रमक मध्य किछु महत्वपूर्ण लोक बड मोन पड़ैत रहला/रहली ओ लोकनि अपन लाचारीक कारणेँ नहिं उपस्थित नहिं भ’ सकलथि मुदा परोक्ष रूपसँ हुनक सहयोग नकारल नहिं जा सकत। ओ सब छथि डॉ. भीमनाथ झा,डॉ. अशोक मेहता, मणिकांत झा,डॉ. उषा चौधरी, हीरेंद्र झा, डॉ. नीता झा, डॉ. वीणा ठाकुर,डॉ. कालिदास झा, फूलचंद मिश्र रमण,फूलचंद्र झा प्रवीण, प्रवीण कुमार झा,डाक्टर निक्की प्रियदर्शिनी, डॉ. संध्या वर्मा,डौक्टर योगानंद झा, डौक्टर राजनाथ मिश्र,डॉ. महेंद्र नारायण राम,राजनाथ पण्डित,दिनेश चंद्र झा, दिनेश झा,डाक्टर मुरलीधर झा, चंद्रेश, डॉ. शंकरदेव झा, अजीत आजाद,डॉ., डॉ. अजीत मिश्र, अनुराग मिश्र, डॉ. अमलेन्दुशेखर पाठक, डौक्टर विभा कुमारी, प्रो. सोनू कुमार झा, सुमित गुँजन, अमित मिश्र,प्रियंका इत्या