Breaking News

आई दिनांक 26.10.2021 के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा केर स्नातकोत्तर भौतिकी विभाग आ दूरस्थ शिक्षा निदेशालय क’ संयुक्त तत्वावधान में आयोजित दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी के दोसर दिन विश्वविद्यालय परिसर स्थित जुबली हॉल में “आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस, फोटोनिक्स एंड रेवोल्यूशनरी स्मार्ट मैटेरियल्स” (एआईपीआरएसएम-2021) विषय पर अनेकों विद्वान अपन अपन व्याख्यान देलैन। संगोष्ठी क पहिल तकनीकी सत्र मे प्रो. योगेंद्र कुमार मिश्रा, डेनमार्क, अपन उद्बोधन मे उच्च तकनीकी में स्मार्ट मटेरियल पर चर्चा करैत कहलनि जे प्राध्यापक लोकनि के पढ़ेबाक तरीका आब बदलि गेल अछि। स्टूडेंट के अपडेट रखबाक लेल ओ कंम्प्यूटर आ इंटरनेट क मददि ल रहल छथि।आब क्लास रूम में ब्लैक बोर्ड क जगह पर हाईटेक स्मार्ट बोर्ड ल लेलक अछि। पढ़बाक नव स्मार्ट तरीका सं स्टूडेंट के कोनो बात बुझेनाइ आब एकदम आसान अछि। विद्यार्थी पहिले गूगल पर विषय के वीडियो सर्च करैत छथि आ एकर उपयोग पढ़बाक दौरान करैत छथि। इंटरनेट क उपयोग सं स्टूडेंट अपडेट रहैत छथि। किताब सब मे जे जानकारी नहि होइत अछि ओ इंटरनेट पर उपलब्ध रहैत अछि । स्मार्ट बोर्ड क्लास रूम’क परिभाषा बदलि देलक अछि । प्रो. मैकिएज क्रवक्जिक, पौलेंड मूलभूत भौतिकी के क्षेत्र मे चुम्बकीय इलेक्टॉनिक्स केर भूमिका क बारे में जानकारी देलैन। प्रो. नवीन कुमार निश्चल आ प्रो. मनोरंजन कर आइआइटी, पटना के भौतिक विद्वान सब क्रमश: सूचना इनकोडिंग में सदिश किरण पुंज केर महत्ता आ तकनीकी अनुप्रयोग सब में चुम्बकीय काम्पोजाइट के उपयोगों’क बारे में विस्तृत चर्चा कैल गेल ।एकर अतिरिक्त बनारास हिंदू विश्वविद्यालय आ इलहाबाद विश्वविद्यालय के वैज्ञानिक सब अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी केर विषय पर रोशनी देलैन।
दोसर तकनीकी सत्र में सिंगापुर’क वैज्ञानिक प्रो. एसएन प्रिमामन्यागम आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस पर विस्तार सं चर्चा केलैन। ओ कहलैन जे आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस केर विस्तार हरेक क्षेत्र में तेजी सं भ रहल अछि।अगामी बरख सब में आर्टिफिशियल इटेलिजेंस मानवीय जीवन केर अभिन्न हिस्सा हैत आ आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस केर कारोबार बेस बैढ़ जायत।एकर अतिरिक्त प्रो. नीलम श्रीवास्तव आ प्रो. पीसी पाण्डेय, आइआइटी बनारस हिंदू विश्वविद्यालय, क्रमश: एकविमीय फोटानिक क्रिश्टल आ प्राकृतिक पॉलिमर पर रोशनी देलैन। दोसर सत्र में 40टा प्रतिभागि सब मौखिकी आ पोस्टर के माध्यम सं कॉन्फेंस सं संबंधित विषय पर शोध पत्र प्रस्तुत केलैन।
समापन सत्र’क अध्यक्षता माननीया प्रति कुलपति प्रो. डॉली सिन्हा कएलन्हि।प्रति कुलपति महोदया अपन अध्यक्षीय संबोधन म’ संगोष्ठी में शामिल सबटा प्रतिभागि सब आ विश्वविद्यालय भौतिकी विभाग आ दूरस्थ शिक्षा निदेशालय’क सबटा सदस्य सबकें उत्साहवर्धन करैत, एकर दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी केर सफलता पूर्वक संचालन क’ लेल धन्यवाद ज्ञापित केलैन। प्रति कुलपति महोदया, संगोष्ठी म’ शामिल प्रतिभागि लोकनि कें प्रमाण-पत्र प्रदान कएलन्हि। आगत अतिथि सबहक स्वागत संगोष्ठी’क संयोजक डॉ. रितेश कुमार चौरसिया केलैन। अंत में धन्यवाद ज्ञापन विभागीय शिक्षक विनय कुमार देलथि। अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी में स्नातकोत्तर भौतिकी विभागाध्यक्ष प्रो. अरुण कुमार सिंह, दूरस्थ शिक्षा निदेशालय के निदेशक प्रो. अशोक कुमार मेहता, प्रो. सुरेंद्र कुमार, डॉ. रितेश कुमार चौरसिया, विनय कुमार आ आन आन विभाग सबहक अध्यक्ष, देश-विदेश सं ऑनलाइन आ ऑफलाइन माध्यम सं सैकड़ों टा रिसर्च स्कॉलर्स आ 250 सं बेसी प्रतिभागी शामिल छलैथ।