दरभंगा 26 अक्टूबर 2021 जिलाधिकारी दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम केर अध्यक्षता में डीएमसीएच के प्राचार्य के सभागार में एम्स के लेल चिन्हित जमीन के भीतर पड़ बला कार्यालय भवन आ आन तकनीकी प्रतिष्ठान के सबटा कार्यालय प्रधान के संग व्यापक पैमाना पर बैसक कैल गेल।
        बैसक में सबटा संबंधित विभागक जिला प्रधान/ वरीय पदाधिकारी के अभिलंब एम्स के लेल चिन्हित जमीन के खाली करबा देबाक निर्देश देल गेल।
        उल्लेखनीय अछि जे एम्स क लेल रेलवे लाइन’क दुनू कात कुल 75 एकड़ जमीन चिन्हित कैल गेल अछि। जे डीएमसीएच के परिसर तक अछि ।एहि चिन्हित जमीन में दूरसंचार विभाग’क संचार संप्रेषण प्लांट, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण संगठन’क जल मीनार, बिजली विभाग’क विद्युत उप केंद्र, स्टेट बैंक, पोस्ट ऑफिस, पथ निर्माण विभाग’क अतिथि गृह, नगर निगम के मलिन बस्ती, सिविल सर्जन के कार्यालय, विद्युत शक्ति उप केंद्र सहित कई एकटा भवन आ प्रतिष्ठान अवस्थित अछि ।
एहि सब के वरीय अधिकारी यथा एसबीआई के मुख्य प्रबंधक, बीएसएनल के डीजीएम, कार्यपालक अभियंता विद्युत, कार्यपालक अभियंता पथ निर्माण विभाग, पोस्ट ऑफिस के अधीक्षक एहि अधिकारिक सब सं हुनकर कार्यालय के आनठाम संस्थापित करबाक लेल अपेक्षित जमीन’क संबंध में कैल गेल हुनकर मांग नोट कैल गेल। चिन्हित जमीन मे अवस्थित बिजली शक्ति उपकेंद्र, बीएसएनएल के संचार संप्रेषण केंद्र आ लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण संगठन के जल मीनार के तत्काल खाली करेबा पर निर्णय नहि लेल गेल अछि। बताओल गेल जे एकर आवश्यकता एम्स क सेहो पड़त। मुदा , हुनकर प्रशासनिक भवन के खाली करेबाक आदेश द देल गेल।
     संगहि एम्स के कनेक्टिविटी (संबंधन) भारत माला प्रोजेक्ट सं करबाक निर्देश पुल निर्माण निगम के देल गेल । बताओल गेल जे एम्स सं 3 किलोमीटर केर दूरी पर अवस्थित असगांव क लगीच भारतमाला के सड़क मिलत।
     पुल निर्माण निगम के माध्यमे बताओल गेल जे एहि परियोजना पर काज चलि रहल अछि। संगहि रेलवे के एहि पार और ओहि पार’क जमीन के जोड़बाक लेल आरओबी वाअंडर पास बनेबाक निर्देश पुल निर्माण निगम क द देल गेल।
      उल्लेखनीय अछि जे माननीय प्रधानमंत्री जी द्वारा निकट भविष्य में एम्स के शिलान्यास करबाक संभावना अछि। जकरा लेल माननीय मुख्यमंत्री द्वारा शीघ्रहिं चिन्हित जमीन के खाली करबेबाक ल’ बैसक करबाक अछि। एकरे आलोक मे जिलाधिकारी द्वारा व्यापक पैमाना पर बैसक कैल गेल।
      बैसक मे नगर आयुक्त, डीएमसीएच के प्रिंसिपल, डीएमसीएच के सुपरिटेंडेंट, बीएसएनएल के डीजीएम, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण संगठन, विद्युत, पथ निर्माण विभाग के कार्यपालक अभियंता, पुल निर्माण निगम के वरीय अभियंता, पोस्ट ऑफिस के अधीक्षक, एसबीआई के मुख्य प्रबंधक, बुडको के अभियंता, अनुमंडल पदाधिकारी सदर, अंचलाधिकारी सदर आ संबंधित विभाग के पदाधिकारी गण आ अभियंता गण उपस्थित छलाह।