Breaking News

दरभंगा। द स्पौटलाइट थियेटर द्वारा आयोजित सांस्कृतिक महोत्सव समाप्त भेलाक बाद टीम के बैसार आयोजित भेल। जाहि मे सागर सिंह पर भेलैन्ह दण्डात्मक कार्रवाही। सागर सिंह कें सचिव पद सं हटा देल गेलन्हि। ई अनुशासनात्मक कार्यवाही टीम में अनुशासन स्थापित करबा लेल कएल गेल अछि। जाहि स की भविष्यमे कोनो सदस्य टीमक अनुशासनकेँ ध्वस्त करबाक दुःसाहस नहि करैथ।हालांकि ओ एखनहुं टीम मे शामिल छैथ।आगामी बैसार मे नव सचिव चुनल जयताह।

प्राप्त जानकारी क अनुसारे, दरभंगा मे अष्टदलक आयोजन के दौरान आ जनकपुर मे टीमक प्रस्तुतिक क्रम मे कयल गेल अनुशासन हीनताक कारणें विवश भ’ कमेटी कें ई कड़गर डेग उठाबय पड़ल।