Breaking News

पूर्व मध्य रेलवे दिनांक 17.11.2021
‘‘लगातार तेसर दिन समस्तीपुर मंडल, टिकट चेकिंग में पूर्व मध्य रेल में अवव्ल’’श्री आलोक अग्रवाल, मंडल रेल प्रबंधक ,
समस्तीपुर सं प्राप्त दिशा-निर्देश’क आलोक में आ श्री सरस्वती चन्द्र, वरिष्ठ मंडल वाणिज्य प्रबंधक, समस्तीपुर के मार्गदर्शन में समस्तीपुर मंडल के विभिन्न रेलखण्ड सब पर बिना टिकट यात्रा के रोकबाक उददेशय सं सघन टिकट चेकिंग अभियान चलाओल जा रहा अछि। एहि विशेष अभियान सबहक फलस्वरूप समस्तीपुर मंडल पिछला तीन दिन अर्थात 14.11.2021 सं 16.11.2021 तक लगातारे चेकिंग आय अर्जित करबाक मामिला में पूर्व मध्य रेल के पाँचों मंडल सब में सर्वोत्म रहल अछि।

समस्तीपुर मंडल द्वारा पिछला 03 दिन में 12536 यात्रि सब कें बिना टिकट यात्रा करैत पाओल गैल। जाहिमे लगभग 82.65 लाख रूपया रेल राजस्व के रूप में प्राप्त भेल। मंडल द्वारा अर्जित ई आय एखन धरिक सर्वोत्तम अछि अर्थात एहेन पहली बेर भेल अछि जे समस्तीपुर मंडल लगातार तीन दिन सं पूर्व मध्य रेल के पाँचों मंडल सं अव्वल रहल अछि।

विदित रहे जे श्री प्रसन्न कात्यायन, वरिष्ठ मंडल वाणिज्य प्रबंधक(टिकट जाँच) के द्वारा मंडल के भिन्न-भिन्न खण्ड सब पर टिकट जाँच हेतु अलग-अलग टीम सबकें लगाओल गेल छल। एहि टीम सबकेँ नेतृत्व श्री फैजान अनवर, सहायक वाणिज्य प्रबंधक(टिकट जाँच)आ मंडल के आन आन वाणिज्य निरीक्षक आ मुख्य चल टिकट निरीक्षक क रहल छथि। एहि टीम सबमें बेस संख्या में टिकट जाँच कर्मचारी सब आ आरपीएफ के जवान सबकैं लगाओल गेल अछि जिनकर मुख्य उद्देश्य स्टेशन परिसर आ गाड़ि सब में बिना उचित यात्रा प्राधिकार के यात्रा पर रोक लगेनाई अछि। मंडल में आगां और एहि प्रकार के विशेष जाँच अभियान चलाओल जायत।

दरभंगा सं पत्रकार राजू सिंह के रिपोर्ट