मिथिला विभूति पर्व समारोह के समापन समारोह में सृष्टि फाउंडेशन केर छात्रा लोकनि महिषासुर नामक राक्षस के वध करबाक लेल प्रकट भेल आदिशक्ति के स्वरूप महिषासुरमर्दिनि देवी के मनमोहक जीवंत प्रस्तुति सं उपस्थित जनसमूह के भावविभोर क’ देलथि। एहि नृत्य के माध्यम सं राक्षस महिषासुर एक बेर देव सब पर विजय पेबाक मोन सं आक्रमण क’ देलक। जखन देव ओकरा परास्त नहि क’ पाबि सकलाह तखन ओ देवी आदिशक्ति के शरण में जाकर हुनकर स्तुति कर लगलथि। फलस्वरूप देवी के एकटा दिव्य रूप प्रकट भेल आ ओ असुरराज महिषासुर के वध करबा के पश्चात देव सबकेँ भय मुक्त क देलन्हि ।