दरभंगा, 23 नवम्बर :- अपर जिला आ सत्र न्यायाधीश-सह-सचिव जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा के द्वारा आदेश निर्गत करैत कहल गेल अछि जे 26 नवंबर 2021 के दरभंगा व्यवहार न्यायालय के एडीआर-सह- मेडियेशन सेंटर(मध्यस्थता केंद्र) में संविधान दिवस कार्यक्रम केर आयोजन कयल गेल अछि।  एहि कार्यक्रम में व्यवहार न्यायालय’क सबटा कर्मचारी, पैनल अधिवक्ता आ पारा विधिक स्वयंसेवक सबके शामिल हेबाक लेल कहल गेल अछि। संविधान दिवस कार्यक्रम में संविधान केर प्रस्तावना क पाठन कैल जाएत आ भारतीय संविधान केर विशेषता सब पर रोशनी सेहो देल जाएत।