#MNN@24X7 पछिला एक दिसम्बरकेँ धर्मपुर टोल उजान गाममे मैथिली साहित्यक प्रसिद्ध आन्दोलनी आ कीर्तिपुरूष काञ्चीनाथ झा किरणक एक सय सतरहम जयन्ती मनाओल गेल।

“किरण” मैथिली साहित्य शोध संस्थान,उजान”क परिसरमे आयोजात सभाक अध्यक्ष डा.देवकान्त झा द्वारा किरणजीक व्यक्तित्व आ कृतित्वक परिचय दैत हुनक वैचारिक आन्दोलनकेँ एखनहु प्रासाङ्गिक आ आवश्यक हेबापर जोर देलनि।आयोजनमे आमन्त्रित कथाकार हीरेन्द्र कुमार झा द्वारा किरणजीक मैथिली बाल पोथीक विशेषता आ ओकरा समाजमे नेनाक बीच प्रचार प्रसारक आवश्यकताकेँ उजागर कयल गेल।

अन्य अतिथिमे डा.शैलेन्द्र आनन्द द्वारा किरणजीक साहित्यिक सङ्ग सामाजिक चेतनाक प्रति गम्भीर विचार प्रस्तुत कयल गेल।कार्यक्रमक आरम्भ किरणजीक चित्रकेँ समवेत माल्यार्पणक उपरान्त भगवतीक गीतसँ कयल गेल। आगत अतिथि आ दर्शक लोकनिक स्वागत संस्थानक वर्तमान अध्यक्ष डा. ईन्द्रनाथ झा द्वारा करबाक उपरान्त संस्थान द्वारा प्रसिद्ध कवि गीतकार आ बाल साहित्यक लेल साहित्य अकादमी दिल्लीसँ सम्मानित डा.सिया राम झा सरसकेँ पाग,दोपटा आ अभिनन्दन पत्रसँ विशेष अभिनन्दन आ सम्मान कयल गेल।

अन्य वक्तामे प्रो सुनीता झा,प्रो ईशनाथ ,अमलजी आ लखनजी चौधरी द्वारा अपन अपन संस्मरण आ उदगार प्रस्तुत कयल गेल।कार्यक्रममे संस्थानक अद्यतन प्रकाशन “किरण-समग्र”जे किरणजीक प्रति लिखल खेल पूर्वमे संस्मरण आ समीक्षाक सङ्कलन थिक केर सम्पादन डा.बिनोदानन्द झा द्वारा कयल गेल आछि केर विस्तृत परिचय आ महत्वक जानकारी शिवशंकर श्रीनिवास द्वारा कयल गेल।

संस्थान द्वारा प्रतिवर्ष देल जाय बला “किरण मैथिली सेवी पुरस्कार ” एहि वर्षक लेल प्रसिद्ध मैथिली आन्दोलनी कमलेश केँ नाम चयनित हेबाक घोषणा भेल।आगामी नौ अप्रैल 2023केँ किरणजीक पुण्य तिथिपर हुनका सम्मानित कयल जेतनि।

कार्यक्रम बीच छोट छिन कवि गोष्ठीक आयोजन सेहो भेल जाहिमे किरणजीक कविताक पाठ सङ्गे कविगण अपन अपन कविता पाठकऽ श्रोता आ दर्शकक मनकेँ आनन्दित कयलनि।कार्यक्रमक सञ्चालन डा बिनोदानन्द झा द्वारा कयल गेल आ धन्यवाद ज्ञापन किरणजीक पुत्र केदार नाथ झा द्वारा कयल गेल।