आजुक दिन -(दिनांक 9 दिसंबर) के अपराहन 12:30 बजे अभिषद केर अतिआवश्यक बैसार माननीय कुलपति महोदय के आवासीय कार्यालय स्थित सभागार में आहूत भेल । एहि बैसार में सर्वप्रथम कुलसचिव महोदय द्वारा सब आगत सदस्य गण कें स्वागत कैल गया गेल आ सरकार सं प्राप्त एहि आशय के दिशा निर्देश’क जानकारी देल गेल जे राज्य सरकार द्वारा तैयार कराओल गेल संबंधित पोर्टल पर सम्बंधन हेतु सबटा संबंधित महाविद्यालय सबहक जानकारी ऑनलाइन अपलोड करबाक काज 15 जनवरी, 2022 तक संपन्न कैल जेबाक अछि ।

राज्य सरकार के उक्त दिशा निर्देश’क आलोक में महाविद्यालय सबहक संबंधन पर अधिषद में विचार कैल जेनाइ अछि । अधिषद के बैसार’क अधिसूचना अभिषद सं प्राप्त करैत 35 दिन सं पूर्व अधिसूचित कैल जेबाक अछि जकर आलोक में आजुक अति आवश्यक बैसार बजाओल गेल अछि। तत्पश्चात 13 जनवरी, 2022 के अधिषद अर्थात सीनेट केर बैसार कराओल जेबाक निर्णय लेल गेल । संगहि प्रस्तावित प्रारंभिक काजक सूची के अनुमोदित कैल गेल। अंत में माननीय अध्यक्ष सह कुलपति महोदय के अनुमति सं माननीय सदस्य सब यथा प्रोफेसर डॉली सिन्हा, प्रति कुलपति, डॉ वैधनाथ चौधरी, डॉक्टर अजय नाथ झा, डॉ विजय कुमार यादव , प्रोफेसर दिलीप कुमार चौधरी, प्रोफेसर अशोक कुमार मेहता, प्रोफेसर प्रेम मोहन मिश्रा, डॉक्टर जयशंकर प्रसाद, डॉक्टर आनंद मोहन झा, श्री सुजीत पासवान, डॉ राजेंद्र साह , डॉ एसपी झा, डॉ अमर कुमार, श्रीमती मीना कुमारी, डॉ फैयाज अहमद, माननीय सदस्य विधान सभा , श्री लक्ष्मेश्वर राय, पूर्व माननीय सदस्य, विधान सभा, श्री इमबेशात शौकत के धन्यवाद ज्ञापन कैल गेल। तदुपरांत दिनांक 8 दिसंबर, 2021 के जनरल बिपिन रावत आ अन्य 13 जवान सबहक हेलीकॉप्टर दुर्घटना में भेल दुखद देहावसान पर शोकव्यक्त कैल गेल ।

संगहि अभिषद के पूर्व माननीय सदस्य डॉ डी एन पासवान सहित विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय परिवार सब के दिवंगत सदस्य सबहक प्रति शोक व्यक्त कैल गेल । सब माननीय सदस्य गण द्वारा 2 मिनट के मौन राखैत दिवंगत आत्मा सबकेँ श्रद्धांजलि अर्पित कैल गेल।