Breaking News

दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में अतिथि/अंशकालिक शिक्षक सबहक नियुक्ति केर क्रम में वनस्पति शास्त्र’क लेल दिनांक 13-14 दिसंबर, 2021 आ भौतिकी विषय’क लेल 21दिसंबर, 2021 के आयोजित हुअ बला साक्षात्कार अपरिहार्य कारणवश स्थगित क’ देल गेल अछि। एहि विषय सबमें साक्षात्कार’क नब तिथि केर घोषणा बाद में कैल जायत। अभ्यर्थि लोकनि कें अतिथि/अंशकालिक शिक्षक लोकनि कें नियुक्ति हेतु निर्मित वेबसाइट के देखैत रहबाक सलाह देल गेल अछि। एहि आशय के सूचना अभ्यर्थि लोकनि कें SMS के द्वारा सेहो देल जा रहलअछि।