दरभंगा: रविदिन के ऑल बिहार ब्राह्मण फेडरेशन केर बैसार बेनीपुर प्रखण्ड के आशापुर में जिलाध्यक्ष डॉ0 प्रभाकर झा के अध्यक्षता में आयोजित भेल। बैसक में क्षेत्र के जानल मानल व्यवसायी सह समाजसेवी अनुराग ठाकुर विधिवत रूप सं ब्राह्मण फेडरेशन के सदस्यता ग्रहण केलथि। संगहि हुनका फेडरेशन के बेनीपुर अनुमंडल के प्रभारी सेहो नियुक्त कैल गेल।

ब्राह्मण फेडरेशन के सदस्यता ग्रहण करबाक उपरांत अनुराग ठाकुर फेडरेशन के प्रति आभार जतबैत कहलनि जे फेडरेशन हुनका जे जिम्मेवारी देलथि, ओकरा ओ पूरा निष्ठा के संग निर्वहन करताह।

बतौर मुख्य अतिथि के रूप में उपस्थित फेडरेशन केर प्रदेश अध्यक्ष उदय शंकर चौधरी कहलनि जे फेडरेशन द्वारा आर्थिक आधार पर जनगणना आ आरक्षण के मांग के ल’क’ लगातार मुहिम चलाओल जा रहलअछि। एहि क्रम में आई बेनीपुर में सेहो बैसार आयोजित भेल। अनुराग ठाकुर के जेहन व्यक्तित्व के जुड़बा सं निश्चित रूप सं संगठन मजबूत हैत।

ओतहि विशिष्ट अतिथि के रूप में उपस्थित प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ0 उदभट मिश्रा समाज के सबटा प्रबुद्ध जन सबकें ब्राह्मण हित’क लेल संगठन के मुहिम सं जुड़बाक आ सहयोग करबाक आह्वान केलक।

बैसार कार्यक्रम के संचालन देवकुमार झा आ धन्यवाद ज्ञापन अधिवक्ता सुरेंद्र चौधरी केलनि।

एहि अवसर पर कैलाश चौधरी, प्रो0 फूलबाबू टेक्ट्रिया, गोपाल चौधरी, प्रदीप ठाकुर, आनन्द चन्द्र झा उर्फ पप्पू, संतोष झा, राम पदारथ ठाकुर, महेश झा, उगन झा, पवन ठाकुर, अशोक ठाकुर, मनोज मिश्र, हरिदर्शन झा, मुकुंद मिश्र, गोविंद झा क संगे संग बहुतै लोक सब उपस्थित छलाह।