ग्राहक सब के हरित पटाखा बेचबाक लेल कहल गेल

दरभंगा, 31 अक्टूबर 2021 :- 31 अक्टूबर के राति में अनुमंडल पदाधिकारी सदर, दरभंगा स्पर्श गुप्ता आ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी सदर मनीष चंद्र वर्मा के नेतृत्व में दरभंगा के कटकी बाजार में पटाखा दुकान सबहक जांच कैल गेल । संगहि अंचल अधिकारी सदर आ थानाध्यक्ष नगर सेहो उपस्थित छलाह । जांच के क्रम में पाओल गेल जे की एक दोकान सब में निर्धारित मानदंड के अनुपालन नहि कैल जा रहल अछि। संबंधित दुकानदार सबकेँ पटाखा बेचबाक लेल के निर्धारित मापदंड के अनुपालन करबाक चेतावनी देल गेलन्हि, अन्यथा बंद करबाक निर्देश देल गेल।
     दुकानदार सब के हरित पटाखे सब(प्रदूषण रहित ग्रीन पटाखा)बेचबाक निर्देश देलथि संगहि ग्राहक लोकनि कें सेहो हरित पटाखा किनबाक लेल प्रोत्साहित करए ल कहल गेलन्हि। हुनका स्टॉक रजिस्टर संधारित आ अद्यतन रखबाक लेल कहल गेलन्हि आ अग्निशामक यंत्र के देखैत रहबाक आ ई एक्सपायर (कालातीत) नहि हो एहि पर ध्यान देबाक संगहि अपन अनुज्ञप्ति अद्यतन करवा क अद्यतन अनुज्ञप्ति रखबाक निर्देश देल गेल।