•घुमंतु आ भिखारी लोकनि कें सेहो हेतन्हि टीकाकरण

•केयर इंडिया जिला के 20 प्रखंड में 9 टू 9 वैक्सीनेशन सेंटर के शुरुआत कएलक अछि।
•जिला में एखन धरि 26.35 लाख लोक सबहक भेलन्हि टीकाकरण।

मधुबनी ,30 अक्टूबर। दीपावली आ छठि में पैघ संख्या में प्रवासी जिला में वापिस आबि रहल छथि। स्वास्थ्य विभाग द्वारा कोरोना संक्रमण सं निजात क लेल जिला में टीकाकरण अभियान चलाओ जा रहल अछि। टीकाकरण अभियान के शत प्रतिशत सफलता के लेल जोर शोर सं लोक सबकें टीकाकृत कैल जा रहल अछि। जाहि स की कोरोना संक्रमण के हराबै क लेल सबटा लोक सबकें टीकाकृत कएल जा सकैन। स्वास्थ्य विभाग’क द्वारा बाहिर सँ आब बला प्रवासि लोकनि के लेल चिह्नित रेलवे स्टेशन, बस स्टॉप, निधि चौक पर टीका एक्सप्रेस के माध्यम सं टीकाकृत करबाक योजना अछि। संगहि स्वास्थ्य विभाग के द्वारा ओहेन लोक जे घुमंतु वा भिखारी छथि वा बाहर के जिला आ आन राज्य सब सं आब बला ट्रक ड्राइवर के चिह्नित क’ टीकाकृत करबाक की योजना अछि। ओतहि जिला में स्वास्थ्य विभाग आ केयर इंडिया के द्वारा जिला में एखन तक ग्रामीण क्षेत्र के लोक सबहक सहूलियत के ध्यान में राखैत हव 20 प्रखंड सब में 9 टू 9 टीकाकरण केन्द्र संचालित कएल गेल अछि। जत भोर 9:00 बजे सं ल’क’ राति 9:00 बजे तक लोग सबकें टीकाकरण कएल जा रहल अछि । जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ एस.के. विश्वकर्मा कहलनि जिला में 32 लाख लोक सबकें टीकाकरण करबाक योजना अछि। एखन तक 19.68 लाख लोक सबकें पहिल डोज आ 6.66 लाख लोक सबकें दोसर डोज के टीका देल जा चुकल अछि। दिसंबर तक सबटा लोक सबकें टीके के पहिल डोज लगेबाक योजना अछि।

साधु-संत आ घुमंतु भिखारी सबहक कैल जाएत टीकाकरण:

सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा कहलनि जे जिले में वैश्विक महामारी सं सुरक्षा प्रदान करबा के ल’क’ टीकाकरण अभियान चलाओल जा रहल अछि। ऐहन में हर 18 वर्ष सं बेसी उमरि के लाभार्थि सब केँ टीकाकरण करबाक लक्ष्य अछि। ओ कहलनि जे बिना पहिचान पत्र बला लाभार्थि लोकनि कें सेहो टीकाकरण कैल जा रहल अछि।18 बरिस सं बेसी आयुवर्ग कें ओहेन नागरिक जिनका लग कोविड टीकाकरण क’ लेल निर्धारित पहिचान पत्र उपलब्ध नहीं छैन्ह आ खानाबदोश’क श्रेणी अर्थात् साधु- संत, जेल में कैद कैदी, मानसिक रोगी, सड़क कात’क भिखारी, वृद्धाश्रम आ पुनर्वास केन्द्र सब में रहि रहल लोक सभ आ आन चयनित योग्य लाभार्थि लोकनि कें टीकाकृत कैल जेतनि।

जिला में एखन तक 26.35 लाख लोक सबहक भेल टीकाकरण:
जिला अनुश्रवण आ मूल्यांकन पदाधिकारी सुनील कुमार बतौलनि जे जिला में एखन तक 26 लाख 35 हजार 190 लोक सबहक टीकाकरण कैल गेल अछि। जाहि मे 19,68,512 लोक सबकें पहिल डोज आ 6,66,678 लोक सबकें दोसर डोज देल गेल अछि। जाहि मे 11,80,908 पुरुष आ 14,53,687 महिला लोकनि के टीकाकृत कैल गेलन्हि। टीका लेब बला में 22,63,317 लोक सभ के कोविशील्ड आ कोवैक्सीन के 3,71,823 डोज देल गेल अछि। ओत्तै 18 सं 44 उम्र के 14,79,348 लोक सबकें, 45 सं 60 वर्ष’के 5,97,923 लोक सभ के आ 60 वर्ष सं ऊपर के 5,57,919 लोक सब के टीका लगाओल गेल अछि।