दिनांक 30.10.2021 के राष्ट्रीय सेवा योजना सात दिवसीय विशेष शिविर ,मिल्लत कॉलेज, दरभंगा द्वारा छठम दिन राजकीय मध्य विद्यालय बीबी पाकड़, दरभंगा में “मानसिक स्वास्थ्य “पर व्याख्यान डॉक्टर इंसान अली विभगाध्यक्ष मनोविज्ञान मिल्लत कॉलेज दरभंगा देलैनि । मानसिक स्वास्थ्य के परिभाषित करैत ओ कहलनि जे ई “सलामती के एकटा स्थिति अछि, जाहि में कोनो व्यक्ति के अपन क्षमता सबहक अहसास रहैत अछि,आ ओ जीवन के सामान्य तनाव सब के सामना क सकैत छथि, लाभकारी आ उपयोगी रूप सं काज क सकैत अछि आ अपन समाज के प्रति योगदान करबा में सक्षम होईत छथि। मानसिक रोग सं जुड़ल कलंक के भावना, जकरा कारणे ऐहेन लोक सबहक विरूद्ध समाज में हर पहलु सब, जेना, शिक्षा, रोजगार, विवाह आदि में भेदभाव होईत अछि , चिकित्सा सहायता लेबा में देरी करबा के कारने होईत अछि। मानसिक स्वास्थ्य आ रोग के सिद्धांत सब में अस्पष्टता के संगहि निश्चित चिन्ह सब आ लक्षण सबहक अभाव के कारणे नैदानिक असमंजस होईत अछि। मानसिक स्वास्थ्य के लेल सकरात्मक विचार आ मोन आ शरीर के ऊर्जावान बनेनाई आवश्यक अछि। दोसरा सत्र में स्वयंसेवक लोकनि गोदी लेल गाम शेर मोहम्मद भीगो में जा के लोक सबकें नुक्कड़ नाटक के माध्यमें टीकाकरण आ सफाई सं संबंधित जानकारी देलनि।।कार्यक्रम पदाधिकारी डॉक्टर सोनी शर्मा के नेतृत्व में स्वयंसेवक लोकनि ई काज संपन्न केलैनि।
30 Oct 2021
Ashutosh Kumar Jha
आशुतोष कुमार झा, आकाशवाणी दरभंगा में नैमित्तिक उद्घोषक/कम्पियर (हि/मै,) , पुर्वांचल सूर्य हिंदी दैनिक के दरभंगा ब्यूरो के साथ ही मैथिली न्यूज नेटवर्क के चीफ एडिटर हैं।