भीड़ भाड़ के देखैत विभागीय प्रोटोकॉल के अपनाबैत कराबी वेक्सिनेशन

दरभंगा. 30 अक्टूबर. देशभरि में दीपावली क तैयारी सब शुरू भ गेल अछि। बाजार में सेहो चहल-पहल आ भीड़ भाड़ बढ़ैत देखल जा रहल अछि। ओतहि दोसर दिस त्योहार सबहक मौसम प्रारम्भ होइते देश में कोरोना के मामिला में सेहो उतार-चढ़ाव देखबा में भेट रहल अछि।एकरा देखैत स्वास्थ्य विशेषज्ञ लोकनि सब लोक सबकें त्योहार’क एहि मौसम में कोरोना सँ विशेष सावधानी रखबाक सलाह देलैन अछि। सिविल सर्जन डॉ अनिल कुमार सिन्हा कहलनि जे विशेषज्ञ सबहक मुताबिक कोरोना महामारी क तेसर लहरि के एखनहुं सम्भावना व्यक्त कैल जा रहल अछि। ताहि कारणें स्वास्थ्य सं समझौता केने बिना दीपावली मनाबए के लेल उचित सावधानी रखनाई अनिवार्य अछि। सीएस कहलनि जे किछु रिपोर्टस में दावा कैल जा रहल अछि जे जौं पाबनि’क मौसम में कनिको लापरवाही राखल गेल त कोरोना एक बेर फेर उग्र रूप ल सकैत अछि।ताहि करणें कोरोना सँ बचाव करैत दीपावली के पाबनि के मनाओल जा सकैत अछि।

सोशल डिस्टेंसिग के रा’खी ध्यान:

डॉ सिन्हा कहलनि जे दीपावली के लेल खरीदारी करबाक हो वा पाबनि मनेनाई, सब लोक सबकें हरदम सोशल डिस्टेंसिग के ध्यान रा’ख पड़त। दीपावली के मौसम में बाजार सब में भीड़ बढ़ि जाएत अछि , एहन में सोशल डिस्टेंसिग के नियम सब के पालन करैत कोरोना सं सुरक्षित रहल जा सकैत अछि। कोविड-19 के प्रसार’के रोकबाक लेल एक दोसरसँ कम सं कम 1 मीटर के दूरी बनाए के रा’खी आ भीड़-भाड़ बला जगह पर जाय सं बची।

मास्क अछि जरूरी:

कोविड-19 के प्रसार के रोकबाक लेल एहतियाती उपाय सब में मास्क लगेनाई सबसं आवश्यक अछि। ई नई केवल अहाँ के कोरोना सं सुरक्षित राखत संगहि फटक्का सं निकल बला धुंआ स’ हुअ बला खतरो के कम बा में सहायता करत। बाजार जाइत समय वा दीपावली मनबैत समय हरदम मास्क लगाये क रा’खी।

हाथ’क स्वच्छता के ध्यान राखू :

पाबनि के एहि मौसम में हाथ’क स्वच्छता के विशेष ध्यान रखनाई आवश्यक अछि। विशेषक’के बाजार में सामान किनबाक बाद वा लोक सभ सं भेंट केला के बाद हाथ के अल्कोहल युक्त सैनिटाइज़र सं नीक जकाँ साफ करी। एकटा बात’क ध्यान राखी जे सैनिटाइज़र बेसी ज्वलनशील होइत अछि, ऐहन में मोमबत्ती वा दीप जरबई सं पहिने सैनिटाइज़र नई लगाबी। 

वैक्सीनेशन जरूर करबाबी:

कोरोना के एहि दौर में सुरक्षित रहबाक लेल वैक्सीनेशन सबसँ आवश्यक अछि। दीपावली के मौसम में भीड़-भाड़ बढ़ि जाइत अछि, एहन में एहि सं पहिने टीकाकरण करा ली। टीकाकरण अहाँ के कोविड-19 केर गंभीर बीमारी सं सुरक्षित रखबा में मददि करत। जाहि लोक सभ के वैक्सीन के दुनू डोज लैग चुकल अछि हुनको दीपावली में कोरोना सं बचाव के सबटा नियम सबहक पालन करबाक चाही।