मतदान के प्रतिशत् रहल 49.5

दरभंगा, 30 अक्टूबर 2021 :- 78-कुशेश्वरस्थान (अ.जा.) विधान सभा उप निर्वाचन के अवसर पर दरभंगा, समाहरणालय अवस्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव अम्बेडकर सभागार में बनाओल गेल जिला नियंत्रण कक्ष 30 अक्टूबर मतदान’क तिथि के प्रातः चैरे(4:00) बजे सं सक्रिय भ गेल। नियंत्रण कक्ष सं सबटा पीठासीन पदाधिकारी, पी.सी.सी.पी. आ सेक्टर पदाधिकारी लोकनि कें जगा-जगा के ई.वी.एम. चेक कर’ आ मॉकपोल के तैयारी करबाक निर्देश देल जैत रहल। यैह कारण अछि जे मॉकपोल के पहिले किछु ई.वी.एम., जे काज नहि क रहल छल, ओकरा बदलि देल गेल। मतदान शुरू भेला के उपरान्त एक मात्र वीवीपैट बदलल गेल ।
  जिला निर्वाचन पदाधिकारी-सह-जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम. केर निर्देशन में जिला नियंत्रण कक्ष के पदाधिकारीगण दिनभरि सेक्टर पदाधिकारि लोकनि आ पी.सी.सी.पी. से समन्वय बनाक रखलनि आ जत कत्तो सं कोनो प्रकार’क समस्या के सूचना प्राप्त भेल, ओकर निराकरण तत्काल करा देल गेल।
  115 मतदान केन्द्र सबहक लाइव वेबकास्टिंग सेहो अम्बेदकर सभागार में कैल जा रहल छल। जिला निर्वाचन पदाधिकारी कई एक मतदान केन्द्र सबहक दृश्य देखि संबंधित जोनल दण्डाधिकारी के निर्देश दैत रहला।
  मतदान के प्रतिशत् सही समय पर देल जाएत रहल। जिला नियंत्रण कक्ष के नोडल पदाधिकारी-उप निदेशक, जन सम्पर्क नागेन्द्र कुमार गुप्ता आ जिला प्रोग्राम पदाधिकारी डॉ. रश्मि वर्मा छलैथ आ जिला नियंत्रण कक्ष के वरीय प्रभार में उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया छलाह।
  मतदान समाप्ति के उपरान्त सबटा पीठासीन पदाधिकारी लोकनि के को बटन दबेबा’क निर्देश देल जाइत रहल।
  कुल मतदान’क प्रतिशत 49.6 रहल,जखन की पुरूष मतदान के प्रतिशत 48 .3% आ महिला मतदान के प्रतिशत 50.9 %रहल। अंतिम मतदान प्रतिशत पीठासीन पदाधिकारी लोकनि के द्वारा जमा कराओल गेल डायरी के आधारे पर निकालल जा सकत।
    2 नवंबर के महिला आईटीआई रामनगर में मतगणना कैल जाएत ।