दरभंगा, 02 दिसम्बर – आयुक्त, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा श्री मनीष कुमार केर अध्यक्षता में दरभंगा शहर’क बढै़त सड़क जाम’क समस्या सं छुटकारा दियेबाक लेल आ ट्रैफिक व्यवस्था के दुरुस्त करबाक ल’के एकटा उच्चस्तरीय बैसार कैल गेल।
बैसार में पुलिस महानिरीक्षक मिथिला, क्षेत्र दरभंगा श्री अजिताभ कुमार सेहो शामिल छलाह आ जिलाधिकारी, दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम आ वरीय पुलिस अधीक्षक, दरभंगा श्री बाबूराम एनआईसी सं ऑनलाइन शामिल छलाह।
      बैसार में आयुक्त महोदय, दरभंगा शहर में बढै़त सड़क जाम’क समस्या के ल’के चिंता व्यक्त करैत ओ अपन विचार व्यक्त कैएलनि। उपस्थित पदाधिकारी सब सं विमर्श करबाक उपरांत ओ जिला प्रशासन दरभंगा के शहर के पैघ दुकानदार सब आ मॉल के प्रबंधक/प्रोपराइटर सबहक संग बैसार क’के हुनकर दोकान/प्रतिष्ठान/मॉल’क सामने के अतिक्रमण के कारण सं सड़क जाम के समस्या क’ समाधान निकालबाक हेतु आ मॉल में वाहन सबहक पार्किंग के लेल पैघपैघ बेसमेंट बनेबाक लेल हुनका सं वार्ता क’ जाम के समस्या क’ स्थायी निराकरण कराबई ल’ कहलथि।
     ओ कहलन्हि जे पैघ पैघ चौक चौराहे जत खासक’के प्रायः सड़क जाम’क समस्या रहैत अछि, ओहि स्थल सब के चिन्हित करैत ओत ट्रैफिक के व्यवस्था दुरुस्त करबाक हेतु काज योजना बनाओल जाए आ ओकरा अमलीजामा पहिराओल जाए जाहि सं की स्थाई रूप सं सड़क जाम’क समस्या के निराकरण भ’ सकै। ओ कहलनि जे शहर में जत कतहुँ सड़क पर अतिक्रमण अछि, ओतय अतिक्रमण के हटाउल जाय, जाहि सं की सड़क जाम’क समस्या सं लोक सबकें मुक्ति भेट सकै।
    ओ उपस्थित पदाधिकारी लोकनि कें दरभंगा शहर के सड़क जाम के समस्या सं मुक्ति दियेबा हेतु व्यापक काज-योजना बना’के आ ओकरा क्रियान्वित करबाक निर्देश देलन्हि।
        बैसार में आयुक्त के सचिव श्री देवेन्द्र प्रसाद तिवारी, जिला परिवहन पदाधिकारी रवि कुमार, यातायात डीएसपी आ सबटा संबंधित अधिकारी उपस्थित छलाह।