Breaking News

दरभंगा, 04 दिसम्बर – 11 दिसम्बर के राष्ट्रीय लोक अदालत केर आयोजन दरभंगा में 10:30 बजे पूर्वाह्न सं कैल जा रहल अछि, जत आपसी सुलहनामा के आधार पर कंपाउडेबल(शमनीय) वाद सबहक सुनवाई होयत आ वाद सबहक निस्तारण कैल जायत।
       जिला आ सत्र न्यायाधीश-सह-अध्यक्ष, जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा रुद्र प्रकाश मिश्र के निर्देश पर प्राधिकार के सचिव जावेद आलम द्वारा राष्ट्रीय लोक अदालत के अवसर पर मुकदमा सबहक सुनवाई के तैयारी हेतु बैसार कैल गेल।
जनतब रहै जे राष्ट्रीय लोक अदालत में विभिन्न प्रकार’क मुकदमा सबहक सुनवाई कैल जायत। जाहिमे भिन्न-भिन्न मुकदमा पूर्व आ लंबित वाद यथा – शमनीय (कम्पाउंडेबल) आपराधिक वाद, एन. आई. एक्ट धारा 138 वाद, बैंक ऋण वसूली वाद, मोटर दुर्घटना दावा वाद, श्रम विवाद, विद्युत तथा पानी बिल संबंधी विवाद, वैवाहिक विवाद, भूमि अधिग्रहण वाद, सेवा संबंधी (वेतन, भत्ता आ सेवानिवृत्ति लाभ), राजस्व मामले (जिला न्यायालय में लंबित) आ आन दीवानी मामला यथा (किराया, *सुखाधिकार*, निषेधाज्ञा वाद, संविदा के विनिर्दिष्ट पालन हेतु वाद), बी.एस.एन.एल इत्यादि सं संबंधित वाद क’ निष्पादन आपसी सुलह के आधार पर तत्काल कैल जाएत।