दरभंगा, 05 नवंबर 2021 :- समाहरणालय अवस्थित, दरभंगा डॉ. भीमराव अंबेडकर सभागार में जिलाधिकारी दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम आ वरीय पुलिस अधीक्षक श्री बाबू राम केर अध्यक्षता में छठि पाबनि’के शांति पूर्वक आ सुरक्षित ढंग सं मनेबा हेतु जिला के सबटा अंचलाधिकारी, अनुमंडल पदाधिकारी, अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी के संग संयुक्त रूप सं बैसार आयोजित कैल गेल ।

बैसार में सबटा अंचलाधिकारी लोकनि कें सबटा, छठि घाट सबहक निरीक्षण क’ बैरिकेडिंग/ रस्सी लगेनाइ आ गोताखोर सबहक प्रतिनियुक्ति हेतु निर्देशित कैल गेल। प्रमुख छठि घाट आ भीड़-भाड़ बला जगह सब पर नाव उपलब्ध करेबाक सेहो निर्देश देल गेल।ओ कहलनि जे प्रत्येक छठि घाट सब पर कोविड टीकाकरण कैल गेल व्यक्तिये सब केँ जेबाक अनुमति रहतन्हि।

      जिलाधिकारी द्वारा निर्देशित कैल गेल जे सरकार के निर्देशानुसार बिना टीकाकरण कराओल कोनो भी व्यक्ति छठि घाट सब पर प्रवेश नहि करताह,एकरा लेल संबंधित अंचलाधिकारी आ थाना, सबटा आयोजक सब के सेहो सूचित करताह।शराब/जहरीली शराब पूर्णतः प्रतिबंधित करबा के संदर्भ में छापेमारी के लेल सबटा पुलिस पदाधिकारी के निर्देशित कैल गेल।शराब माफिया के पैघ कारोबारी के सूची, जिला के तत्काल पठेनाई आ थाना के नोटिस बोर्ड पर सेहो साटबाक निर्देश देल गेल ।

      बैसार’क अंत में टीकाकरण के संबंध में सेहो सबटा प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी, जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी आ सिविल सर्जन के लक्ष्य’क अनुरूप प्रतिदिन टीकाकरण के गति के बढ़ेबाक निर्देश देल गेल।संगहि आगामी 07 नवंबर के मेगा टीकाकरण अभियान के पूरा मुस्तैदी के संग पूरा करबाक निर्देश देल गेल।बैसार में नगर आयुक्त मनेश कुमार मीणा, नगर पुलिस अधीक्षक अशोक प्रसाद सिंह, सदर अनुमंडल पदाधिकारी स्पर्श गुप्ता, सिविल सर्जन डॉ. अनिल कुमार, उत्पाद अधीक्षक ओम प्रकाश, जिला आपदा पदाधिकारी सत्यम सहाय, जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी अमरेंद्र कुमार मिश्र डीपीएम हेल्थ डॉ. विशाल कुमार आ संबंधित पदाधिकारी गण उपस्थित छलाह।