दरभंगा, श्रीमती शोभा अहोटकर, डीजी होमगार्ड आ फायर सर्विसेज, के द्वारा पारित आदेश में दीपावली आ छठि पाबनि के अवसर पर अग्नि सं सुरक्षा हेतु *की करी की नहि करी* के संबंध में निर्देश पारित कएल गेल अछि। जाहि मे फटक्का विक्रेताओं सहित फटक्का छोड़ई बला बच्चा सब कें विस्तृत ढंग सं अग्नि सुरक्षा आ बचाव हेतु निर्देश देल गेलन्हि अछि।
एहि संबंध में जिला समादेष्टा-सह-जिला अग्निशमन पदाधिकारी, दरभंगा मनोज कुमार नट द्वारा बताओल गेल जे डी.जी सर् के निर्देश के आलोक में दीपावली आ छठि पावनिक अवसर पर अग्नि सुरक्षा आ बचाव हेतु सबटा अग्निशामालय पदाधिकारी के अलर्ट मोड पर रहबाक निर्देश देल गेलन्हि अछि। आ अपन-अपन क्षेत्र में फटक्का के दुकान सब आ दीपावली आ छठि पावनिक अवसर पर बनाओल जाए बला पंडाल सब के अस्थाई ढांचा के बिहार अग्निशमन सेवा नियमावली 2021 के अंतर्गत देल गेल निर्देश के अनुसारे जांच क’के मानक के अनुरूप बनेबाक निर्देश पारित कएल गेल अछि।
     इस अवसर पर अग्निशामालय पदाधिकारी, दरभंगा द्वारा बताओल गेल जे अग्निशमन पदाधिकारी टीम बनाके पंडाल सब आ फटक्का के दोकान सब के अंकेक्षण क’ रहल छथि।
दीपावली आ छठि पावनिक अवसर पर अग्नि सुरक्षा हेतु उपाय की करी की नहि करि
          पटाखा विक्रेता लोकनि भंडारण के स्थान पर कम से कम दू वाटर सीओटू (09 लीटर क्षमता का) आ दू डीसीपी (06 किलोग्राम क्षमता) पोर्टेबल अग्निशामक यंत्र आ 02 ड्राम पानि अवश्ये राखथि जाहिसँ संचालन के जानकारी हुनका आ हुनकर कर्मी के सेहो होइन्ह।
          नेना भुटका सब कए फटक्का चलबैत समय घर’क कोनो वयस्क सदस्य ओतहि अवश्य उपस्थित रहथि आ अपन निगरानी में पटाखा फोड़बाबथि।
     नेना सबहक अभिभावक अपने बच्चा सब कें दोक-दाग गली आ घरकेँ भीतर में पटाखा नहि छोड़ दथि बल्कि खुलल स्थान में हुनका नहि छोड़ी।
         आतिशबाजी के प्रयोग करबा सं पहिने ओहि पर लिखल अग्नि सुरक्षा संबंधी सावधानी सबकेँ ध्यान पूर्वक अवश्य पढ़ी आ ओकर पालन अवश्ये करें।
        फटक्काबाजी करैत समय लग-पास में एक बाल्टी पानि के अवश्ये राखि।
         घी आ तेल के दीप कखनहुं कपड़ा वा आन ज्वलनशील पदार्थ सब कें लगीच नहि जराबी हरदम एहेन दीप के अपन देख-रेख में राखी ।
      अग्नि सुरक्षा पर तकनीकी सलाह लेबाक हेतु अपन लगीच’क अग्निशामालय पदाधिकारी सं संपर्क क सकैत अछि।
    बिहार अग्निशमन सेवा सब जिला आ अनुमंडल में कार्यरत अछि। कोनो भी तरहक अग्नि घटना हेबा पर अग्निशमन सेवा के आपतकालीन दूरभाष संख्या-101 वा पुलिस कंट्रोल रूम का आपातकालीन नंबर-100 वा स्थानीय अग्निशामालय केर नंबर जिला नियंत्रण कक्ष वा अनुमंडल कार्यालय के कंट्रोल रूम स्थानीय पुलिस थाना के दूरभाष सं सूचित करबाक चाहि जाहिसँ कि स्थानीय अग्निशामालय पदाधिकारी अहाँ के मददि त्वरित गति सं क’ सकथि।
            घर में बेसी मात्रा में फटाखा के भंडारण कखनहुं नहि करी।
          घर के अंदर कखनहुं पटाखा नई फोड़ि।
       दुकानों में पूजा पाठ के पश्चात जलती हुई दीपक, अगरबत्ती अथवा मोमबत्ती जलते हुए छोड़कर कभी न जाएं।
       पातर बिजली के तार सब पर बेसी वोल्टेज के बल्ब नई जड़ाबी वा ओकरा ओवरलोड नहि करी, दू टा बिजली के तार के जोड़ैत समय ओहि पर टेप अवश्य लगाबी बिजली के सॉकेट में सीधे तार कखनो नहि घुसाबी, एहिमे हरदम प्लग के व्यवहार करी।
          ढीला या सिंथेटिक कपड़ा पहिर के खुलल लौ बला दीप, मोमबत्ती वा पटाखा के लग नई जाय, पटाखा बाजी के समय शरीर के कपड़ा सब में आगि लाईग जाए तखन ऊनी कंबल वा बोरी सं लपेट के आ जमीन पर सूईत के आगि मिझाबै के प्रयास करी।
        आसमान तारा कखनो कखनो दोसराक घर सब में प्रवेश क आगि लगबाक कारण बनि जाइत अछि ताहि कारण स यथासंभव एहि सं परहेज करी।