दरभंगा, 01 नवम्बर 2021 :- जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा के तत्वधान में विधिक जागरूकता कार्यक्रम के आयोजन मानु कॉलेज ऑफ टीचर एजुकेशन, दरभंगा में कैल गेल।
आजुक कार्यक्रम केर अध्यक्षता प्रो. मोहम्मद फैज अहमद, प्रिंसिपल मानु कॉलेज ऑफ टीचर एजुकेशन, दरभंगा द्वारा कएल गेल। मुख्य अतिथि के रूप में श्री जावेद अहमद जज व्यवहार न्यायालय, दरभंगा आ तौसीफ अख्तर साहब एडवोकेट उपस्थित छलाह।
कार्यक्रम में आओल अतिथि लोकनि कें डॉ. मुजफ्फर इस्लाम साहब प्रिंसिपल कामरान मानु मॉडल स्कूल द्वारा स्वागत कएल गेल आ नालसा के उद्देश्य सब आ कार्यक्रम सबहक उद्देश्य सब केँ कहलखिन्ह। कार्यक्रम में तौशीफ अख्तर साहब द्वारा विधिक जागरूकता आ पीड़ित उन्मूलन योजना के बारे में विस्तृत जानकारी देल गेल।
ओतहि बैठक में उपस्थित जज, व्यवहार न्यायालय, दरभंगा श्री जावेद अहमद विभिन्न अधिकार सब, योजना सब, जिला विधिक सेवा प्राधिकार के उद्देश्य सब आ काज सबहक बारे में विस्तृत जानकारी छात्र आ छात्रा लोकनि कें देलथि,  संगहि हुनकर प्रश्न के सेहो उत्तर देलथि। रुख्सार आफरीन मौलिक अधिकार आ मौलिक कर्तव्य के बारे में जानकारी देलन्हि।
कार्यक्रम के अध्यक्षता प्रो. मो.फैज अहमद साहब सब अतिथि लोकनि कें धन्यवाद करैत कहलन्हि जे आई नागरिक सबहक योगदान के लेल आवश्यक अछि जे ओ शिक्षा प्राप्त करैथ आ अपन अधिकार सबकेँ बूझि आ दोसर कए सेहो एकर जानकारी दैथ।ओ भविष्य में सेहो एहि तरह कें कार्यक्रम के आयोजन के बात कहलनि।
कार्यक्रम के संचालन जावेद अहमद, अध्यापक, मानु मॉडल स्कूल कएलन्हि आ धन्यवाद ज्ञापन डॉ. अफरोज जहीर, असिस्टेंट प्रोफेसर मानु कॉलेज ऑफ टीचर एजुकेशन दरभंगा कएलन्हि।