Breaking News

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा केर कुलपति प्रो0 सुरेन्द्र प्रताप सिंह के महामहिम कुलाधिपति-सह-राज्यपाल बिहार पटना क द्वारा राज्य के ‘‘BEST VICE-CHANCELLOR’’ पुरस्कार सँ सम्मानित कैल गेलन्हि। राजभवन सचिवालय द्वारा आई दिनांक 02.11.2021 के इकर घोषणा क देल गेल अछि। एहि घोषणा क उपरान्त विश्वविद्यालय म हर्ष आ उल्लास क माहौल अछि। विश्वविद्यालय केर शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मी सब अपने कुलपति प्रो0 एस0पी0 सिंह के पुरष्कृत करबा के लेल महामहिम कुलाधिपति महोदय के प्रति आभार व्यक्त केलन्हि।

कुलसचिव प्रो0 मुश्ताक अहमद अपन विश्वविद्यालय के माननीय कुलपति प्रो0 सुरेन्द्र प्रताप सिंह के राज्य के विश्वविद्याल सब के सबटा कुलपति में सर्वश्रेष्ठता के पुरस्कार प्राप्त करबा पर हुनका बधाई देलन्हि आ महामहिम के प्रति अभार व्यक्त करैत कहलनि जे ई पुरस्कार पूरा मिथिलांचल के लेल सम्मान अछि। विशेष क दिपावली आ छिठ महापर्व सँ पूर्व मिथिला विश्वविद्यालय के सबटा शिक्षक-शिक्षकेत्तर कर्मि सब, छात्र-छात्रा लोकनि आ अभिवावक गण के लेल महामहिम कुलाधिपति द्वारा देल गेल उपहार अछि।

प्रो0 मुश्ताक अहमद कहलनि जे मिथिला विश्वविद्यालय के दू तरफा खुशी भेटल अछि जे सांस्कृतिक गतिविधि सब के लेल महामहिम के द्वारा स्थानीय सी0एम0 काॅलेज के छात्र आचार्य भास्कर के ‘Best Student in Cultural Activities’’ केर पुरस्कार देल गेल छल ।एकरा लेल सेहो हम महामहिम के प्रति आभार व्यक्त करैत छी।ज्ञात्वय हुए जे महामहिम कुलाधिपति के द्वारा नौ कोटि सब में पुरस्कार केर घोषणा भेल अछि आ आब बला 16 नवम्वर के महामहिम कुलाधिपति के द्वारा सबटा चयनित व्यक्ति सब कें राजभवन में सम्मानित कैल जेतन्हि।

पुरस्कार के घोषणा पर प्रशंसा व्यक्त कर बला सब में विश्वविद्यालय के प्रति-कुलपति प्रो0 डाॅली सिन्हा, संकायाध्यक्ष समाजिक विज्ञाान प्रो0 गोपी रमण प्रसाद सिंह, संकायाध्यक्ष विज्ञान प्रो बी0एस0 झा, मानविकी संकायाध्यक्ष प्रो0 अमर नाथ झा, वाणिज्य संकायाध्यक्ष प्रो बी0बी0एल0 दास, संकायाध्यक्ष ललितकला प्रो0 पुष्पम नारायण, वित्तीय पारमर्शी श्री कैलाश राम, डाॅ0 आनन्द मोहन मिश्रा, परीक्षा नियंत्रक, प्रो0 अशोक कुमार मेहता, निदेशक, दुरस्थ शिक्षा, प्रो0 अजय नाथ झा, कुलानुशाक, प्रो0 विजय कुमार यादव, अध्यक्ष, छात्र कल्याण, विश्वविद्यालय मिडिया प्रभारी प्रो0 चन्द्रभाणु प्रसाद सिंह, प्रो0 यू0के0 दास, निदेशक, डब्लू0आई0टी0, डाॅ0 सतेन कुमार, महाविद्यालय निरीक्षक(कला आ वाणिज्य), डाॅ0 महेश प्रसाद सिन्हा, सी0सी0डी0सी0, डाॅ0 दिव्या रानी हंसदा, उप-कुलसचिव – द्वितिय, डाॅ0 कामेश्वर पासवान, उप-कुलसचिव प्रथम आदि शामिल छलैथ।